जमीनक लेल भाई’क हत्या

    0
    319

    पूर्णियां, मिथिला मिरर: बिहार के पूर्णिया मे जमीनी विवाद मे एकटा भाई अप्पन भाई के पीट-पीट कय हत्या कय देलक। हत्या के कारण मात्र सवा कट्ठा जमीन छल।

    घटना भवानीपूर थाना क्षेत्रक मोतीचक गामक अछि। घटना के बाबत मृतक के पुत्र कहलनि जे मृतक 55 वर्षीय सीताराम मंडल शौच के लेल खेत जा रहल छल कि तखनहि रस्ता मे मृतक के भाई प्रदीप मंडल आ ग्रामीण दीपक मंडल बांस आ लात घूसा सं जबर्दस्त पिटाई कय देलक।

    पिटाई के कारण सीताराम बेहोश भय गेलाह। गंभीर हालत मे हुनका इलाजक लेल सदर अस्पताल आनल गेल, जतय सीतारामक मौत भय गेल। भवानीपुर थानाध्यक्ष के अनुसार मामला मे दू गोटे पर भवानीपुर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, जमीन विवाद के लय दुनु पक्ष मे पहिने सेहो मारिपीट भेल छल। पुलिस मामला के छानबीन करबाक संग-संग आरोपी के गिरफ्तारी मे जुटल अछि।