पुनपुन नदी के उफान के रोकबाक लेल चलाओल जा रहल मैराथन अभियान

    0
    246

    पटना, मिथिला मिरर: पुनपुन प्रखंड मे पुनपुन नदी के उफान एवं बाढ़िक स्थिति के पूरा तत्परता स मुकाबला कायल जा रहल अछि। अहि क्रम मे बृहस्पति दिन पारथू पंचायत स्थित सहबाजपुर तटबंध पर लगभग 16 घंटा के मैराथन सुरक्षा अभियान अनुमंडल पदाधिकारी के नेतृत्व मे चलाओल गेल।

     जाहि मे 6000 बोरा के उपयोग कायल गेल। अहि अभियान मे 200 स अधिक लोके लागल छलाह। संगहि मनोरह के सेहो लगातार प्रयास स सुरक्षित कायल गेल। जाहि के बाद जिलाधिकारी सेहो मनोरह के दौरा केलाह। पु

    नपुन के सब तटबंध के बचेबा मे एखन धरि 4 लाख स अधिक बोराक उपयोग कायल गेल अछि। प्रभावित परिवार के 35 करोड़क राशन पीडीएस के माध्यम स वितरित कायल जा रहल अछि।जिलाधिकारी कहलनि जे प्रभावित परिवारक सूची तैयार कायल जा रहल अछि।