फ्लिपकार्ट स्टोर सं साढ़े तीन लाखक लूट

    0
    309

    गया, मिथिला मिरर: बिहार के गया मे हथियारबंद लुटेरा फ्लिप कार्टक ऑनलाईन शॉपिंग सेंटर मे लूट के बारदात के अंजाम देलक। जिला के रामपुर थाना क्षेत्रक आशा सिंह मोड़ के निकट बुधदिन देर साँझ फ्लिपकार्टक दफ्तर मे पांच टा अपराधी घूसि गेल। अपराधी हथियारक बल पर कर्मचारी के बंधक बना कय 3 लाख 50 हजार रुपैया लूटि लेलक।

    ऑफिसक कर्मचारी बतओलनि जे, दू टा मोटरसाईकिल पर सवार भय क पांच टा अपराधी आयल आ कार्यलय सब कर्मी के बंधक बना कय कार्यालयक शटर अन्दर स बंद कय लेलक। लुटेरा सब स पहिने सीसीटीवी के वायर काटि देलक आ मशीन के उखाड़ि देलक। जकरा बाद कैश काउंटर स 3 लाख 50 हजार रुपैया आ एकटा लैपटॉप लय कय फरार भय गेल।

    घटना के बाद पहुँचल पुलिस मामला के जाँच मे जुटल अछि। पुलिस शकक आधार पर एकटा युवक के हिरासत मे लय क पूछताछ कय रहल अछि।