बिहार उच्चतर शिक्षा सेवा आयोगक गठन शीघ्र

    0
    267
    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे असिस्टेंट प्रोफेसरक नियुक्ति के लेल उत्तर प्रदेशक तर्ज पर ‘बिहार उच्चतर शिक्षा सेवा आयोगक गठन कायल जायत, जाहि लेल बिहार शिक्षा विभाग तैयारी कय लेने अछि। सूत्रक अनुसार जल्दिये अहि के लेल अध्यादेश आनल जा सकैया आ बिहार विधानमंडल के शीतकालीन सत्र मे पारित कराओल जा सकैया।
    शिक्षा विभाग बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) के नियुक्ति प्रक्रियाक जिम्मा नहि देबय चाहैत अछि। बीपीएससी के तीन साल पहिनहि नियुक्तिक लेल अधियाचना भेजल गेल छल, मुदा मैथिली के 49 असिस्टेंट प्रोफेसर के छोड़ि कय कोनो नियुक्ति नहि भेल अछि।
    बिहार उच्चतर शिक्षा सेवा आयोग के एक साल मे असिस्टेंट प्रोफेसरक खाली पद के भरबाक जिम्मेदारी देल जायत। उच्च शिक्षा निदेशालय अहि के लेल प्रस्ताव तैयार कय रहल अछि। शिक्षा विभागक वरिष्ठ अधिकारी के अनुसार बीपीएससी पर बहुत तरहक परीक्षाक दबाव अछि। एम्हर विश्वविद्याल तथा कॉलेज मे शिक्षकक कमी सं शैक्षणिक माहौल ठीक नहीं भय पबैया।
    ज्ञात हो कि बिहार उच्चतर शिक्षा सेवा आयोग करीब नौ हजार असिस्टेंट प्रोफेसर (मार्च, 2016 तक रिक्ति) के नियुक्ति करबाक प्रस्ताब अछि। बीपीएससी 3364 पद पर बहाली कय रहल अछि। जाहि मे मैथिली के 49 असिस्टेंट प्रोफेसर बहाल भय चुकल अछि। जहन कि आठ विषय मे करीब 2000 पदक लेल इंटरव्यू भय गेल अछि।