असामाजिक तत्व द्वारा ट्रेन पर पथड़ाव, सह चालक घायल

    0
    261

    गया, मिथिला मिरर: बिहार के गया-किउल रूट मे डाउन पैसेंजर ट्रेन पर किछु बदमास पाथर पत्थर फेकि कय ट्रेनक सह चालक के घायल कय देलक अछि।

    पार नवादा बाईपास के समीप पुल संख्या 72/4 के समीप पांच टा बदमास ट्रेन के ड्राइवर केबिन पर पत्थरबाजी कय देलक। पत्थरबाजी के अहि घटना मे ट्रेनक विंड शील्ड टूटि गेल। शील्ड टूटला स गाड़ीक सह चालक कौलेश्वर चौधरी घायल भय गेलाह।

    ट्रेन के ड्राइवर आ किछु यात्रीक मदद स एकटा बदमास के पकड़ल गेल अछि आ रेलवे थाना के सौपी देल गेल। घटना के बाद आउटर ड्राइवर पोस्ट के समीप ट्रेन आधा घंटा ठाढ़ रहल। घायल सह चालक के प्राथमिक उपचार के बाद ट्रेन के आगू बढ़ाओल गेल। अहि बीच रेलवे थाना मे प्राथमिकी दर्ज कय कार्रवाई शुरू कायल गेल।