ट्रक आ स्कॉर्पियोकें टक्करमे एकहि परिवारक पांच गोटेक मौत

    0
    257

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: लखीसराय-जमुई मुख्यमार्ग पर महिसोना आ शरमा गामक बीच ठाढ़ ट्रकमे तेज रफ़्तार स्कॉर्पियो टक्करा गेल। अहि हादसामे स्कॉर्पियो पर सवार पांच गोटेक मौत भए गेल, जहन कि 12 अन्य जख्मी भए गेल। सब एकहि परिवार सं बताओल जा रहल अछि।

    मुशहरी थाना क्षेत्रक तरौड़ा गाम सं सब बच्चाक मुंडन करेबाक लेल देवघर गेल छल। तीन बच्चा शिवम, सत्यम आ काजलके मुंडन भेल छल। लौटए कालकेँ दौरान महिसोना आ शरमा गामक बीच ट्रक सड़क कात ठाढ़ छल। देवघर सं वापसीमे स्कॉर्पियो चालक अनियंत्रित भए ट्रकमे ठोकर मारि देलक। जाहि सं मौका पर पांच गोटेकेँ मौत भए गेल, जहन कि स्कॉर्पियो पर सवार एक दर्जन अन्य घायल भेल अछि। घायलमे आठ गोटेक स्थिति गंभीर बनल अछि।