पटना उच्च न्यायालयमे छह गोट नब जजक नियुक्ति

    0
    521

    पटना, मिथिला मिरर: पटना उच्च न्यायालयमे 6 गोट नब जजक नियुक्त कएल गेल अछि। आगामी सोमदिन अहि जजक पदकें गोपनीयताक शपथ दिलाओल जाएत। सर्विस कोर्ट सं हाईकोर्टके महानिबंधक प्रकाश चंद्र जायसवाल जज बनाओल गेलाह। वकील कोटा सं जज वलामे अनिल कुमार उपाध्याय, संजय कुमार, मधुरेश प्रसाद, राजीव रंजन प्रसाद तथा मोहित कुमार शाह शामिल छथि। बृहस्पति दिन केंद्रीय विधि एवं न्याय मंत्रालय अहिकें अधिसूचना जारी केलक अछि।

    22 मई कए मुख्य न्यायधीश जस्टिस राजेंद्र मेनन अहि जज सबकें शपथ दियौताह। पटना हाईकोर्टमे कुल 53 पद स्वीकृत अछि, अहि नियुक्तिके बादो 18 टा पद खाली रहत।