सरकारी बसमे मुफ्त सफर कए सकैत अछि दिव्यांग आ जेपी सेनानी

    0
    279

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: दिव्यांग आ जेपी सेनानी सरकारी बसमे मुफ्त सफर कए सकत। बिहार राज्य पथ परिवहन निगमक बसमे आब ओ पूरा बिहारमे कतहु सफर कए सकैत अछि। निगम दिव्यांग आ जेपी सेनानीकें पास देलक अछि। दू मई सं 15 मई तक चलल विशेष अभियानमे करीब 76 दिव्यांग आ 107 जेपी सेनानीकें पास देल गेल।

    अधिक सं अधिककें अहि सुविधाक लाभ भेटि सकए, अहिकेँ लेल निगम पास देबाक प्रकिया जारी रखलक अछि। निगमके प्रमंडलीय प्रबंधक एसएन झा कहलनि जे, अधिक सं अधिक एकर लाभ उठा सकए, अहि लेल अभियान चला कए पास निर्गत कएल गेल अछि। एकर बाद सेहो पास देबाक प्रकिया जारी रहत। कम सं कम 40 प्रतिशत दिव्यांग आवेदन कए सकैत अछि, जहन कि जेपी सेनानीकें प्रमाणपत्र देबए पड़त।