लनामिविकें कुलपतिक पुतला फूंकलक एबीवीपी

    0
    282

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदकें कार्यकर्ता द्वारा बृहस्पति दिन जीडी कॉलेजक मुख्य द्वारिकें समीप ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति डॉ. सुरेंद्र कुमार सिंहक पुतला दहन कएल गेल। अहि सं पहिने छात्र जीडी कॉलेज अध्यक्ष रामप्रकाश कुमार आ नगर सह मंत्री आजाद कुमारक नेतृत्वमे वीसीक अर्थी जुलूस निकालि कए कॉलेजक चक्कर लगेलक। अहि दौरान जुलूसमे शामिल विद्यार्थी विवि प्रशासनक विरोधमे जमिकए नारेबाजी सेहो केलक।

    पुतला दहन सभाकें संबोधित करैत राष्ट्रीय कार्यकारिणी सदस्य अजीत चौधरी व नगर सह मंत्री पुरुषोत्तम प्यारे कहलनि जे, विवि प्रशासन बेगूसरायके विद्यार्थीक संग लगातार सौतेला रवैया अपना रहल अछि। जिलाकें 40 प्रतिशत डिग्री-1 के विद्यार्थीकें फेल कए देल गेल अछि, अहिमे अधिकतर विद्यार्थीकें मात्र एक या दू नंबर सं फेल कएल गेल अछि। जहन कि 50 प्रतिशत विद्यार्थीकें द्वितीय श्रेणी सं पास कएल गेल अछि।

    फोटो: काल्पनिक