पटना मेट्रो परियोजना के एकटा और झटका

    0
    280

    पटना, मिथिला मिरर: मेट्रो ट्रेनक बाट ताकि रहल पटना वासिक लेल एकटा खराप खबरि अछि। बताओल जा रहल अछि जे, पटना मेट्रो के लेल कॉम्प्रिहेंसिव मोबिलिटी प्लान (सीएमपी) बनेबाक ताक मे जुटल प्रदेश सरकार के मेट्रो परियोजना के लय एकटा और झटका लागल। नगर विकास एवं आवास विभागक एक महिनाक तलाशक बावजूद सीएमपी बनाबय बला कपंनी नहि भेटल। सरकार आब फेर स नया सिरा स रिक्वेस्ट फॉर प्रपोजल (आरएफपी) जारी करबाक तैयारी कय रहल अछि।

    दरअसल, जून मे शहरी विकास मंत्रलय पटना मेट्रो परियोजना के मंजूरी देबा स पूर्व प्रदेश सरकार स सीएमपी रिपोर्ट तलब केने छल। केंद्र सरकार कहने छल जे, तीन महिना मे सीएमपी देल जाय।अहि आधार पर नगर विकास एवं आवास विभाग एक महीना के भीतर सीएमपी बनाबय बला कंपनी के खोजबाक लक्ष्य तय केने छल, जाहि के तहत आरएफपी जारी कायल गेल छल।

    आरएफपी के शर्तक अनुसार मात्र शहरी विकास मंत्रलय मे सूचीबद्ध कंपनी सीएमपी बनेबाक लेल आवेदन कय सकैत अछि। मुदा प्रदेश सरकार द्वारा तय शर्तक अनुसार आरएफपी देबाक अंतिम तिथि पांच अगस्त आ आरएफपी खोलबाक अंतिम तिथि 8 अगस्त बितला के बावजूद कोनो कंपनी अहि प्रोजेक्ट मे रुचि नहि देखेलक।

    ज्ञात हो कि सीएमपी के माध्यम स ट्रांसपोर्टेशन सिस्टम के विस्तृत करबाक कार्य योजना तय कायल जायत अछि। जाहि के तहत मुख्य रूप स शहरक मुख्य मार्ग पर सर्वाधिक यातायात दबावक आंकलन कायल जायत अछि। रेलवे स्टेशन, सचिवालय, अस्पताल, एयरपोर्ट आ बस अड्डा स यात्री के कवर करबाक लेल यातायात संसाधनक फ्रीक्वेंसी आंकल जाईत अछि।