शराब बंदी कानून के बाद नालंदा मे 50 महादलित परिवार पर लागल एक संग जुर्माना

    0
    280

    नालंदा, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के शराबबंदीक फरमानक गाज हुनके गृह जिला नालंदा मे खसल। नालंदा के इस्लामपुर प्रखंडक कैलाशपुरी गाम के महादलित परिवार पर शराबबंदी कानूनक सख्ती स पालन नहि करबा पर सामूहिक जुर्माना लगाओल गेल।

    नालंदा मे लगातार शराबबंदीक बाबजूद देशी तथा विदेशी शराब भेटबाक सिलसिला जारी छल। शराब भेटबाक घटना पर कार्रवाई करैत प्रशासन कैलाशपुरी गामक कुल 50 घरक परिवार पर प्रति परिवार पांच-पांच हजार रुपैयाक सामूहिक जुर्माना लगौलक। जाहि लेल जिला प्रशासन कार्रवाई शुरू करैत सब के नोटिस भेज कय सामूहिक रूप स जुर्माना देबाक फरमान जारी केलक।

    गामक किछु लोक के कहब छन्हि जे, बेरोजगारीक कारने पहिने शराब बनेबाक काज करैत छलहुँ मुदा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के एक अप्रैल स शराब बंद करबाक फैसलाक बाद शराब बनेबाक काज बंद के बेरोजगारीक दंश झेलि रहल छी। लोकक कहब छांहि जे, हम सब अप्पन परिवारक संग जेल चलि जायब मुदा जुर्मानाक राशि नहिं देब।