मध्य विद्यालय मे घुसल ट्रक, तीन टा बच्चाक मौत संगहि आधा दर्जन घायल

    0
    300

    गया, मिथिला मिरर: गयाक बाराचट्टी प्रखंड मे सोमदिन एकटा अनियंत्रित ट्रक मध्य विद्यालय मे घुसि गेल, जाहि मे तीन टा बच्चाक दर्दनाक मौत भय गेल जहन कि आधा दर्जन बच्चा गंभीर रूपे घायल अछि।

    जाहि समय ई हादसा भेल ताहि समय स्कूल मे क्लास चलि रहल छल। हादसाक बाद तमसायल लोक स्कूलक संग ट्रक के निशाना बना खूब तोड़फोड़ केलनि। ट्रक जाहि स्कूल मे घुसल ओ बाराचट्टी-मोहनपुर मार्ग क पड़िया गांव मे स्थित अछि।

    घटना के बाद ट्रकक ड्राइवर ट्रक छोड़ि कय भागि जेल। घटना स्थल पर पहुँचल पुलिस के हालात पर काबू करबा मे बहुत मशक्कत करय पड़ल।