लहेरियासराय स्टेशन पर व्यवस्था आ सफाई नदारद

    0
    328

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: लहेरियासराय रेलवे स्टेशन साफ-सफाईक मामला मे एकदम फिसड्डी साबित भय रहल अछि। जतय-ततय पसरल गंदगीक कारण यात्री प्लेटफॉर्म पर कोनो तरह गाड़ीक इंतजार मे समय बितेबाक लेल मजबूर अछि। रेल प्रशासन लापरवाह बनल अछि। जहन कि हरदम बेहतर यात्री सुविधा देबाक दावा कायल जा रहल अछि।

    प्लेटफार्म पर आवारा पशु निश्चिन्त भय विचरण करैत अछि। समुच्चा प्लेटफॉर्म जगह-जगह छतिग्रस्त भय चुकल अछि। प्रतीक्षारत यात्रीक बैसबाक लेल पर्याप्त संख्या मे बेंच तक नहि अछि। अहि के अलावा प्लेटफार्म पर रेल सुरक्षा बलक अनुपस्थिति अछि।

    प्रतीक्षारत महिला यात्री के असगरे देखि उच्चक्का बेखौफ छेड़छाड़ आ अपशब्द के उपयोग करैत अछि। स्टेशन स सटल पुलिस महानिरीक्षक एवं वरीय पुलिस अधीक्षकक आवास अछि। बावजूद महिला रेलयात्री के अहि व्यथा स सब अनजान बनल अछि। स्टेशनक वर्तमान हालात देखकय लोक परेशान अछि।