ब्रह्मपुरा जितलाक ‘डीपीएल क्रिकेट टूर्नामेंट’

    0
    271
    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: मधुबनी के दलदल डीपीएल क्रिकेट टूर्नामेंट के फ़ाइनल मुकाबला मे बृहस्पतिदिन दरभंगाक घनश्यामपुर क्षेत्रक ब्रह्मपुरा गाम मैच जीत कय कप अप्पन नाम केलक। मुकाबला ब्रह्मपुरा आ भरगामा के बीच भेल छल। ब्रह्मपुरा गामक टीम टॉस जीतकय पहिने बल्लेबाजी करैत 20 ओवर मे नाबाद 196 रन बनेलक। जाहि के बाद भरगामा’क टीम 13 ओवर मे मात्र 94 रन बना कय ऑल आउट भय गेल।
    ब्रह्मपुरा टीमक खिलाडी बबलू के फ़ाइनल मैचक मैंन ऑफ़ दी मैच पुरस्कार देल गेल, जहन कि मैंन ऑफ़ दी सीरीज पुरस्कार रविराज के देल गेल। टूर्नामेंटक संस्थापक मो० मुनि जी सहायक लाल मोहम्मद, इजहार नियाजी, समसुद्दीन आलम, सचिव डॉ० सब्बू छलाह। फ़ाइनल मैच मे मुख्य अतिथि के रूप मे झांझरपुर विधानसभाक विधायक गुलाब यादव, परवलपुर पंचायतक पूर्व मुखिया शामीम परवाना मौजूद छलाह।