समस्तीपुरमे भय रहल छल डॉक्टरी’क आड़मे गांजा’क तस्करी

    0
    300

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: दलसिंगसरायके ढेपुरा स्थित लाइन होटल पर स्पेशल टास्क फोर्स’क कार्रवाईमे 760 किलो गांजा आ पांच गोटेकें गिरफ्तार केलक अछि। अंतर प्रांतीय गांजा तस्कर अशोक कुमार वैशाली’क मवेशी डॉक्टर निकलल। सोमदिन एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि जे, वैशाली जिलाक राघोपुर थानाक मल्कलीपुर निवासी गांजा धंधेबाज अशोक कुमार मवेशीक डॉक्टर अछि। अशोक कुमार अप्पन किछु संगीक संग मिलकय त्रिपुरा सं एकटा ट्रक सं 760 किलो गांजा बरामद भेल अछि।

    गुप्त सूचना पर एसटीएफ आ दलसिंगसराय थानाक पुलिस संयुक्त रूपे घेराबंदी कय राष्ट्रीय उच्च पथ संख्या 28के ढेपुरा गामक एकटा लाइन होटलके समीप गांजा सं लादल ट्रकक चालक आ खलासीक संग गिरफ्तार केलक अछि।

    पुलिस वैशाली जिलाक राघोपुर थानाके क्षेत्र मल्कलीपुर निवासी नवदीप रायक पुत्र डाक्टर अशोक कुमार, मोहनपुर गाम निवासी बिन्दा रायक पुत्र शिकंदर राय, पटना जिलाक दीदारगंज थाना क्षेत्रक रायबाग निवासी सूरज प्रसाद सिंहक पुत्र शैलेश प्रसाद, कामता प्रसादक पुत्र ब्रजेश कुमार तथा त्रिपुराक आर.के नगर थाना क्षेत्रक काशीपुर कॉपरेट निवासी स्वर्गीय जितेंद्र मोहन बॉनिकके पुत्र निर्मल बॉनिक एवं रोतियावारी थाना क्षेत्रक नारायण देवक पुत्र राहुल देव के गिरफ्तार केलक अछि। अहि दौरान पुलिस आठ गोट मोबाइल फोन, चारि टा एटीएम कार्ड आ 76 सौ रुपैयाक संग 760 किलो गांजा बरामद केलक अछि।