‘एसएससी पेपर लीक’ मामलामे प्रिटिंग प्रेस’क मालिक गिरफ्तार

    0
    302

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक बहुचर्चित एसएससी पेपर लीककें मामलामे एसआईटीकें पैघ सफलता भेटल अछि। एसआईटी अहि मामलामे गुजरातक अहमदाबाद सं ओहि प्रिंटिग प्रेसक मालिककें गिरफ्तार केलक अछि जतय अहि परीक्षाक प्रश्न पत्र छपाओल छल। एसआईटी’क टीम प्रिंटिग प्रेसक मालिककें लयकय पटना पंहुच गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार एसआईटी’क टीम पिछ्ला बहुतो दिन सं गुजरातमे प्रेस मालिककें खोजमे छल। ज्ञात हो कि अहि मामलामे एखन धरि एसआईटी’क टीम बोर्डक सचिव परमेश्वर राम सहित लगभग दर्जन भरि लोककें गिरफ्तार कय चुकल अछि। एसआईटीकें एखनहुँ अहि मामलामे मास्टरमाइंड गुरू’जक तलाश अछि। बिहारमे भय रहल एसएससी’क परीक्षाक दौरान पर्चा लीक हेबाक बाद सरकार अहि परीक्षाकें रद्द कय देलक अछि।