68’म गणतंत्र दिवस, राजपथ पर देशक संस्कृति आ शौर्यक प्रदर्शन

    0
    343

    दिल्ली, मिथिला मिरर: देश आय 68’म गणतंत्र दिवस मना रहल अछि। इंडिया गेट पर पहुंचल प्रधानमंत्री नरेन्र्द मोदी के अहि अवसर पर तीनू सेना द्वारा गॉड ऑफ ऑनर देल गेल जाहि के बाद ओ अमर जवान ज्योति पर देशक शहीद के श्रद्धांजलि अर्पित केलनि। प्रधानमंत्री मोदी के संग रक्षा मंत्री आ तीनू सेनाक प्रमुख सेहो अमर जवान ज्योति पर श्रद्धांजलि देलनि।

    अहि सं पहिने प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ट्वीट कय देशवासी के 68’म गणंतत्र दिवसक शुभकामना देने छलाह। अहि खास मौका पर राजपथ पर हिंदुस्तानी शौर्य आ संस्कृतिक खास झलक देखबाक भेटल। अहि बेर गणतंत्र दिवस परेड मे बहुतो चीज पहिल बेर नजरि आओल। संयुक्त अरब अमीरात (यूएई) के आर्मी पहिल बेर परेड मे हिस्सा लेलक त ओतहि फ्लाई पास्ट मे स्वदेशी विमान तेजस करतब देखेलक।

    अहि दौरान राजपथ पर 17 राज्य आ 6 मंत्रालय के झांकी प्रदर्शित कायल गेल। यूएई के सैन्य दस्ता मे 144 जवान आ अधिकारी शामिल छल। फ्रांस के बाद गणतंत्र दिवस मे हिस्सा लेबय वला यूएई दोसर देश अछि। राजपथ पर अहि दौरान कुल 23 झांकी गणतंत्र दिवस समारोहक हिस्सा रहल। अंतरराष्ट्रीय स्तर पर मशहूर रेत कलाकार सुदर्शन पटनायक सेहो गणतंत्र दिवस के अवसर पर पुरी के समुद्र तट पर रेत मे तिरंगाक कलाकृति मे उकेरलनि।उकेरी।