कानूनकेँ ताक पर राखि सुनौलक तालिबानी फरमान

0
439

बेगूसराय, मिथिला मिरर : घटना बिहारक बेगूसराय जिलाक अछि। एकटा विडियो पछिला तीन-चारि दिनसँ सोशल मीडिया पर वायरल भ’ रहल अछि। एहि विडियोमे इ देखाओल जा रहल अछि जे एकटा मास्टरसँ जबरदस्ती उठक-बैठक कराओल जा रहल अछि। संगहि थूक सेहो चटैत देखा रहल अछि। सभसँ पैघ बात जे एहन तखन भ’ रहल छल जखन ओतय संबंधित थाना प्रभारी सहित पुलिस बल उपस्थित छल।  ई बिहारक तालिबानी पुलिस अछि की। पुलिस, पंचायतक तालिबानी फरमानकेँ जेना लगैत अछि दुम हिला अपन समर्थन द’ रहल छल। पुलिसक काज होइत छैक आरोपिकेँ भीड़सँ छोड़ा गिरफ्तार केनाइ नै की आरोपीसँ थूक चटवा, उठक-बैठक करेनाइ।

बचिया संग छेड़खानी करैत पकड़ल गेल मास्टर

बताओल जा रहल अछि जे समस्तीपुर जिलाक बिथान थाना क्षेत्रक पचरुखी निवासी रमेश कुमार यादव हसनपुर बाजारसँ सटल मालीपुर रोडमे आइडियल कोचिंगकेँ नामसँ एकटा कोचिंग सेंटर चलबैत छथि। आरोपी बेगूसरायक एकटा बचिया संग छेड़खानी करैत पकड़ल गेलाह। बचिया छेड़खानीकेँ कारण कोचिंग जेनाय छोड़ी देने छलि। एहिकेँ बाद कोचिंग संचालक बचियाक’ घर पहुँची अपन प्यारक इजहार करय लागल। एहि दौरान मास्टर मौका पर पकड़ल गेलाह। एहिकेँ बाद ग्रामीण सभ मिल मास्टरकेँ जमीक’ पिटाई कएलनि। हद त’ तखन भेल जखन ओहि जगह पर स्थानीय मुखिया  आ गढ़पुरा थानाक अधिकारि मौजूद छलाह आ हुनका लोकनिकेँ सामने मास्टरके मारल जाइत छल। एतबे नहि ओहि मास्टरसँ फेकल थूक सेहो चटाओल गेल।  मौका पर मौजूद थानेदार सेहो आव देखला नै ताव आ दनादन आरोपित शिक्षककेँ थोपड़ीया देलनि। तकरा बाद आरोपीकेँ छोड़ी देलनि।

एहनमे सभसँ पैघ सवाल अछि जे पुलिस मूक दर्शक बनि ग्रामीणकेँ संग किएक द’ रहल छल। कानूनी कार्रवाई करवाक बदला आरोपीकेँ भीड़क हवाले छोड़ी देनाय कतय धरि सहि। आरोपीकेँ छोड़ी देनाय कोन कानून व्यवस्थाक हिस्सा अछि। की बिहार पुलिस तालिवानी पुलिस भेल जा रहल अछि? आखिर आरोपीकेँ गिरफ्तार क’ कानूनी कार्रवाईके बदला छोड़ी देबासँ एहन तरहक घटनामे बढ़ोतरी नै होयत? एकटा गंभीर प्रशन ठाढ़ करैत अछि। समाजकेँ सेहो एहि विषयपर गंभीर चिंतन करब जरूरी अछि।