लालू यादव पर जेडीयूक हमला, भष्ट्राचार करबा मे नहि जेल मे रहबामे लालूकेँ शर्म महसूस होइत छनि: ललन सिंह

0
644

मिथिला मिरर, पटनाः जनता दल युनाइटेडक पूर्व प्रदेश अध्यक्ष आ मुंगेर सऽ पार्टीक सांसद राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह मंगलदिन राष्ट्रीय जनता दलक अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव पर तीखा प्रहार कयलनि। ललन सिंह कहलनि जे लालू यादवक ई पुरान आदत छनि जे हुनका भ्रष्टाचार करबा मे शर्म नहि मसहूस होइत छनि, मुदा जेल मे रहबा मे शर्मिंदगी महसूस भए रहल छनि। लालू यादव आदत सऽ भ्रष्टाचारी भऽ चुकल छथि। उक्त गप्प ललन सिंह पटना जदयू मुख्यालय मे भेल संवाददाता सम्मेलन मे संवाददाता सऽ बातचीतक दरम्यान कहलनि। ं
ललन सिंह कहलनि जे पीआईएल के केलक से पता नहि अछि? जदयू नेता कहलनि जे चारा घोटालाक एकटा मामला मे लालू यादव केँ 1998 मे जेल भेल छलनि। ओहि समय लालू यादव बीएपी केँ गेस्ट हाउस केँ जेल मे परिवर्तित करबा लालू ओहिठाम रहैत छलाह। सुप्रीम कोट एहि पर टिप्पणी करैत कहने छल जे लालू यादव कें जऽ जेल मे सुरक्षा नहि भेट रहल छनि तऽ गेस्ट हाउस मे कोना सुरक्षा भेटतनि?
एतबे नहि राजद पर हमला करैत सांसद कहलनि जे राजद आब समाप्त जेना भऽ गेल अछि ई बात राजदक नेता सभकेँ नीक जकाँ बुझा गेल छनि। राजदक जे स्थिति साल 2010 मे भेल छल एहि बेर ओहो सऽ खराब स्थिति होमय जा रहल छैक। राजद एहि लेल जीवीत भेल कारण 2015 मे ओ नीतीश कुमारक संग छल मुुदा 2020क चुनाव मे राजद सफाया भए जाएत एहि मे कोनो दुम्मति नहि।