‘विद्यापति मैथिल युवा मंच’ द्वारा 15’म सरस्वती पूजा महोत्सवक आयोजन कायल गेल

    0
    327

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: विद्यापति मैथिल युवा मंच, दिल्ली द्वारा स्वाती अपार्टमेंट पार्क, पश्चिमी विनोद नगर मे 15’म सरस्वती पूजा महोत्सवक सफल आयोजन कायल गेल। समितिक कार्यकता लोकनि अहि आयोजनक लेल एक मास पूर्वहिं सं तत्पर छलाह। बुध दिन माँ सरस्वतीक प्रतिमा स्थापित कायल गेल तथा बृहस्पति दिन संध्या काल सामूहिक हवन आ विसर्जन के बाद माँ सरस्वतीक प्रतिमा के जल मे प्रवाहित कायल गेल। अहि आयोजन मे माँ सरस्वतीक पूजा-अर्चना के अतिरिक्त बहुतो सामाजिक काजक सफल संपादन कायल गेल। जाहि के अन्तर्गत नव पीढ़ीक प्रतिभा के सोंझा अनबाक लेल प्रश्नोतरी, चित्रकला, गायन तथा नृत्य प्रतियोगिताक आयोजन कायल गेल।

    पूजाक दिन अधिक व्यस्तताक कारने मुख्य प्रतियोगिताक आयोजन सं पूर्व 15 जनवरी कय चयन प्रक्रियाक आयोजन कायल गेल छल, जाहि मे 700 सं अधिक छात्र-छात्रा शामिल भेल छलाह। अहि चयन प्रक्रिया मे प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिताक लेल 20 गोट छात्र-छात्रा’क चयन कायल गेल छल। 22 जनवरी कय नृत्य प्रतियोगिताक चयन प्रक्रिया मे 15 गोट छात्र-छात्रा’क चयन कायल गेल। ओतहि गायन प्रतियोगिताक लेल 6 गोट छात्र-छात्रा’क चयन कायल गेल छल। अहि के अलावा वी.एम.वाइ.एम. द्वारा निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श शिविरक आयोजन कायल गेल छल। पैघ वर्गक प्रश्नोतरी प्रतियोगिताक विजेता मे आदित्य सिंह आ हर्ष चौधरी प्रथम, ख़ुशी गुप्ता आ रोहन परिहार द्वितीय तथा प्रवीण नैलवाल आ दिवेश प्रताप सिंह तृतीय स्थान प्राप्त केलनि। ओतहि छोटी वर्ग मे पुनीत कुमार आ विनीत कुमार प्रथम, सिद्धार्थ कुमार आ हिमांश शांडिल्य द्वितीय तथा कोमल कुमारी झा आ रितिक कुमारी तेसर स्थान प्राप्त केलनि। पेंटिंग प्रतियोगिता’क पैघ वर्गग मे शिवानी प्रथम, रौशन कुमार द्वितीय, तन्नू शर्मा तेसर स्थान प्राप्त केलनि। ओतहि छोट वर्ग मे अनुष्का सांगवान प्रथम, पुनीत कुमार द्वितीय तथा नीरज कुमार झा तेसर स्थान प्राप्त केलनि।

    गायन प्रतियोगिताक पैघ वर्ग मे सुमोना शर्मा प्रथम, बैशाली दोसर तथा अंजलि मिश्र तेसर स्थान प्राप्त केलनि। ओतहि छोट वर्ग मे अन्नू श्री शर्मा प्रथम, ध्रुव गुप्ता दोसर तथा मोहित तेसर स्थान प्राप्त केलनि। नृत्य प्रतियोगिताक पैघ वर्ग मे मानसी रावत ग्रुप प्रथम, कबीर दोसर आ सूरज ग्रुप तेसर स्थान प्राप्त केलनि। ओतहि छोट वर्ग मे स्नेह बिष्ट प्रथम, अनुष्का सांगवान दोसर आ पुष्कर कुमार तेसर स्थान प्राप्त केलनि। संगहि सब सं छोट वर्ग मे नमित प्रथम, पियूष नायक दोसर, रिया पुष्कर तेसर स्थान प्राप्त केलनि।

    16507051_1389688947729768_306097202_n

    बुधदिन 1 फरवरी कय प्रतिमा पूजा’क संग संगीतमय आरती, प्रसाद वितरण, तथा स्मारिका’क विमोचन कायल गेल। तदुपरांत चयनित छात्र-छात्रा’क लेल मंच पर मुख्य प्रतियोगिता आयोजन कायल गेल। जाहि मे मुख्य प्रतियोगिता सं पूर्व चयनित छात्र-छात्रा भाग लेलनि। प्रतियोगिताक निर्णायक समूह मे वन्दना झा, रमण कुमार, प्रियदर्शिनी पूजा, विक्रम झा, संजीव, अनुश्री मिश्रा, डॉली झा, कंचन, निधि, मनीषा झा एवं सपना सिंह मंच पर उपस्थित छलाह। प्रतियोगिताक संयोजन वी.एम.वाइ.एम. एकेडमी द्वारा कायल गेल छल।

    अहि सब के उपरांत राति मे सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। जाहि मे रमेश मल्लिक एवं ग्रुपक कलाकार द्वारा मोहक प्रस्तुति देल गेल। गायन मे संजय झा, रश्मि प्रिया झा, नेहा प्रियदर्शिनी, किशन कन्हैया, मदन मुस्कान, मनीष मिश्रा तथा आद्या एवं अपेक्षा श्रोता लोकनि के अप्पन म,मधुर स्वर सं विभोर केलनि। मैथिली नाट्य परिषद् जनकपुर आयल राम नारायण ठाकुर, ललिता राउत आ राजेश हास्य-परिहास सं श्रोता लोकनि के ओत पोत केलनि। ओतहि अदिति मिश्रा अप्पन कुशल नृत्य सं लोक के थोपड़ी बजेबा पर मजबूर केलनि। संगहि मनीष झा बौआभाइ एवं आनन्द मोहन झा’क कुशल मंच सञ्चालन सांस्कृतिक कार्यक्रम मे श्रोता वर्गक लेल संजीवनीक काज करैत रहल।

    16507506_1389688837729779_627801514_n

    कार्यक्रमक मध्य मे जदयू के राष्ट्रीय महासचिव संजय कुमार झा, दिल्ली विश्वविद्यालय के पूर्व कुलपति दिनेश सिंह, सी.एम.जे,यूनिवर्सिटी के चेयरमैन सी.एम. झा, मिथिला विकास परिषद कोलकाता के अध्यक्ष अशोक झा, चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट गोपाल केडिया, रिलायबल डाटा के जी.एम. अनिल झा, चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट नितिन कँवर, शुक्लपक्ष के संपादक निशिकांत ठाकुर, आम आदमी पार्टी’क नेता रूपम झा, अवकाश प्राप्त आइ.ए.एस. एस.एन.झा, चिकित्सक डॉ. बी.के.झा, चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट सुमित कँवर, मिथिलालोक एवं एम.डी.ब्रिटिश लिंगुआ के चेयरमैन डॉ. बीरबल झा, चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट मनोज अग्रवाल, नेपाल सद्भावना पार्टी’क महासचिव राजीव झा, अनिल कुमार झा पूर्व उद्योग मंत्री नेपाल सरकार, भाजपा’क नेता बिपिन बिहारी सिंह, नकुल भारद्वाज, निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श शिविर वी.एम.वाइ.एम. डिस्पेंसरी-फिजियोथेरेपी एवं अन्य रोग श्यामा सुपर स्पेशिलिटी हॉस्पिटल-नेत्र रोग, मिथिला दर्शन.न्यूज के प्रधान संपादक राहुल राय कें सम्मानित कायल गेल।

    अहि बीच मिथिला-मैथिली अभियानी विजय चन्द्र झा, विद्यानन्द झा, अमरनाथ झा, रूपम झा, रामबाबू सिंह, शरत झा, संजीव सिन्हा, विभय झा, संतोष राठौड़, विमल जी मिश्र, प्रसून झा, संजय नागदह, ब्रजेश मिश्र, ललित नारायण झा, शिवेश झा, मोहन मुरारी झा, विजय कुमार झा, तपन झा, अमरेन्द्र झा, अनूप मैथिल आदि उपस्थित छलाह। आयोजनक मीडिया पार्टनर मिथिला मिरर, मिथिला दर्शन.न्यूज, मैथिली जिन्दाबाद, मिथिमीडिया एवं ई-मिथिला छल। कॉर्पोरेट सहयोगी वेल्वोलिन कम्मिन्स प्राइवेट लिमिटेड आ सरेन्स इन्डिया रिलाएबल डाटा सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड छल।