ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयमे आब सात गोट विदेशी भाषाक प्रशिक्षण भेटत

    0
    306

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति प्रो. सुरेन्द्र कुमार सिंह कहलनि जे, भू-मंडलीय करणके अहि युगमे विदेशी भाषाक ज्ञानक महत्ता प्रासंगिक अछि। मात्र डिग्री प्राप्त केला सं नहि, बल्कि भाषाक ज्ञान प्राप्त केला सं विश्व बाजारमे अहाँक मांग बढ़त। कुलपति विश्वविद्यालयमे विदेशी भाषा संस्थानमे फ्रेन्च सीखय वला छात्रके प्रेरण वर्गकें संबोधित कय रहल छलाह।ओ कहलनि जे, विदेशी भाषाक ज्ञान रोजगारक लेल कोनो अन्य विकल्प सँ अधिक लाभदायक अछि। कुलपति पुस्कालय भवनमे आयोजित कार्यक्रमकें संबोधित करैत कहलनि जे, भाषा मनुष्यक व्यकित्वमे निखार आनैत अछि।

    कुलपति कहलनि जे, जल्दिये जर्मन, स्पैनिश, जापानी सहित सात विदेशी भाषाक प्रमाण पत्र पाठ्यक्रम शुरू कएल जाएत। प्रो. सिंह कहलनि जे, परंपरागत पाठ्यक्रमक अतिरिक्त बदलैत परिवेशक अनुरूप रोजगारोन्मुखी, कौशल विकसित करबाक लेल सात अन्य भाषाक पाठ्यक्रम शुरू करबाक योजना अच्छी।

    कार्यक्रमक अध्यक्षता मानविकी संकाय अध्यक्ष प्रो. रामचंद्र ठाकुर केलनि, ओतहि विषय प्रवर्तन करैत विदेशी भाषा संस्थानक निदेशक प्रो. एसपी सिंह कहलनि जे, 30 अगस्त 2016 कय प्रथम बैचक वर्ग आरंभ भेल छल, मुदा आधारभूत संरचनाक अभावमे वर्ग स्थगित भए गेल छल. अहि मौका पर पुस्कालय विज्ञान संस्थानक निदेशक आ अर्थशास्त्र विभागक विभागाध्यक्ष प्रो. राम भरत ठाकुर सेहो अपन विचार व्यक्त केलनि।