सऊदी अरब सं डीआईजी के धमकी, 15 लाखक रंगदारीक मांग

    0
    270

    पटना, मिथिला मिरर: पिछला कतेको दिन स बिहार मे आपराधिक घटना थम्हबाक नाम नहि लय रहल अछि। बिहार मे रंगदारक निशाना पर एहिबेर आईपीएस अधिकारी चढ़लाह। अपराधी बीएमपी के डीआईजी स रंगदारी मंगलक अछि।

    पीड़ित अफसर डीआईजी चन्द्रिका प्रसाद छथि। दू महिना मे दोसर बेर डीआईजी स रंगदारीक मांग कायल गेल। अपराधी डीआईजी के फोन पर पहिने फोन आ फेर मैसेज कय रंगदारीक केलक। मना करबा पर जान स मारबाक धमकी देलक। डीआईजी के अहि बेर पटनाक गोलघरक समीप 15 लाख रुपैया पहुँचेबाक लेल कहल गेल। सूत्रक अनुसार ई फोन आ मैसेज सऊदी अरब स आयल छल।

    घटनाक बाद डीआईजी सहरसा एसपी अश्विनी कुमार के कार्रवाई करबाक लेल आवेदन देलनि। मामला के लय क सदर थाना मे प्राथमिकी सेहो दर्ज कराओल गेल। गौरतलब अछि जे, अहि स पूर्व 20 लाख रुपैयाक रंगदारी डीआईजी चंद्रिका प्रसाद स मांगल गेल छल। ओहि मामला मे सेहो सहरसा मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल।