पप्पू यादवकेँ गिरफ्तारीक विरोधमे कैंडल मार्च

    0
    253

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जनाधिकार पार्टीक संरक्षक सह मधेपुरा सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादवकें गिरफ्तारीक विरोधमे पार्टीक झंझारपुर इकाई कैंडिल प्रतिरोध मार्चक आयोजन केलक। ई प्रतिरोध मार्च राम चौक सँ अनुमंडल कार्यालय तक पहुंचल। अहिमे शामिल पार्टी कार्यकर्ता पप्पू यादवके समर्थनमे नारेबाजी आ बिहार सरकारकें तानाशाह करार देलक, संगहि बिहार सरकारके खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलक।

    पप्पू यादव समर्थक कैंडिल मार्चमे एक सभा सेहो केलक, जाहिमे वक्ता सब कहलनि जे, सांसद पप्पू यादव पेपर लीक घोटाला, बेनामी संपत्ति रखय वला पर नकेल कसबा सहित अन्य मांगक समर्थनमे विधानसभाक घेराव करबाक लेल गेल छलाह। जतय बिहार सरकारक इशारा पर पुलिस ज्यादती करैत सांसदकें गिरफ्तार केलक अछि।

    वक्ता कहलनि जे, पुलिस संसदीय मर्यादाक ख्याल तक नहि केलक आ हथकड़ी लगा देलक, जे सरासर अन्याय अछि। ई कैंडिल मार्च जिला अध्यक्ष चंद्रशेखर यादवके नेतृत्वमे निकालल गेल जाहिमे विभा देवी, उमर खान, दिनेश महतो, प्रमोद कुमार, मनोज कुमार चौधरी, अमरजीत धनुवीर, नजरे आलम सहित अन्य लोक शामिल छल।