दरभंगा अग्निकांडक पीड़ित मनोज चौधरीक निधन, जंतर-मंतर पर एमएसयूक विरोध सांझ 5 बजे

    0
    381

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः विगत 25 मार्च कऽ दरभंगामे जमीनी विवादकेँ लए जीवैत जरा कऽ मारवाक जे घटना सामने आयल छल ओकर बृहस्पतिदिन राइतमे दुःखद अंत भेल। पटना सँ इलाजक हेतु दिल्ली आनल गेल मनोज चौधरीक दिल्लीमे इलाजक क्रममे निधन भए गेलनि। अहि घटनाक बाद दरभंगामे स्थिति बहुत बेसी तनावपूर्ण बनि गेल अछि आ एकरा देखैत ओहिठाम पुलिस प्रशासनक पुख्ता इंतजाम कैल गेल अछि। एमहर अहि घटनाकेँ प्रकाशमे एलाक बाद विभिन्न मिथिला-मैथिली संगठनमे बहुत बेसी आक्रोश देखना जा रहल अछि।
    मिथिला स्टूडेंट यूनियन अहि घटनाक विरोधमे दिल्लीक जंतर-मंतर पर शुक्रदिन सांझमे 5 बजे विरोध प्रर्दशनक बजौलक अछि त दोसर दिस संस्थाक जतेक इकाई अछि ओ अपना-अपना जगह पर विरोध प्रदर्शन करत। मिथिला मिरर सेहो अपना दिससँ वीडियो जारी कऽ दिल्ली एनसीआरमे रहनिहार समस्त संस्थाक अगुआ लोकनि सँ आग्रह केलक अछि जे अपने सब आपसी मतभेद मेटा बेसी सं बेसी एमएसयूक अहि प्रदर्शनमे भाग लऽ पीड़ितकेँ इंसाफ देवाक लेल आवाज उठाबी।