कोलकाता मे ‘मैथिल युवा सामाजिक विकास मंच’क महा बैसार

    0
    16008

    दिल्ली, मिथिला मिरर: ‘मैथिल युवा सामाजिक विकास मंच’ के पूर्व निर्धारित कार्यक्रमक अनुसार मंच के महा बैसारक आयोजन जोश आ उत्साहपूर्ण महौल मे कोलकाताक टैगोर पार्क मे संतोष मिश्राक संरक्षण मे ओउर प्रेम नारायण झा केर अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल। अहि बैसार मे संगठनक माननीय पदाधिकारी गणक अतिरिक्त कतेको उत्साही सदस्य आ स्थानीय कार्यकर्ता लोकनि भाग लेलाह।

    सर्वप्रथम अमरकालीन सेनानी मे स एक आदरणीय स्वर्गीय बाबू साहेब चौधरी के श्रध्दांजलि देल गेल। तकरा बाद संस्थापक अध्यक्ष प्रेम नारायण झा संस्थाक पिछला काज ओउर आगामी योजना पर प्रकाश दैत कहलनि जे, चूकि 08 जनवरी क मैथिली क अष्टम सूची मे स्थान देल गेल छल तै आजुक दिन एतिहासिक अछि। अहि एऐतिहासिक दिनक साझी मानैत हम अपना संस्थाक तरफ स आश्वासन दैत छी जे संस्था समाज स जुड़ल काज जेना मेडिकल शिविर, बच्चा सबहक बीच प्रतियोगिता शिविर क आयोजन, रक्त दान शिविरक आयोजन बहुत जल्दिये करत।

    दोसर दिस संस्थाक नव कार्यकारिणीक गठन आम सभाक द्वारा कैल गेल। जाहि मे प्रेम नारायण झा के अध्यक्ष, बच्चा बाबू झा के कार्यकारिणी अध्यक्ष, शिवचरण कमती के उपाध्यक्ष, उमेश मिश्रा के महासचिव, संतोष मिश्रा के संयोजक बनाओल गेल। रामेश्वर लाल दास के कोषाध्यक्ष, आनंद झा के संयुक्त कोषाध्यक्ष, उमेश झा के संयुक्त सचिव, मंटु झा के सचिव, शशिभूषण झा के सचिव, मनमोहन झा के सचिव, आनंद राय के सह सचिव, सुमन नाथ मिश्र के प्रवक्ता, कार्यकारिणी सदस्य मनोज झा, हरिकानत लाल दास, भुटाइ मंडल, गोपी झा, हरकत ठाकुर, संकर चौधरी, बरुण ठाकुर, मालती झा के सलाहकार समितिक अध्यक्ष बनाओल गेल।

    मार्गदर्शक कमिटी मे अशोक झा, दिलीप झा, सुमिल वर्मा, ललित मिश्रा आ बिमल झा के राखल गेल अछि।