एटीएम सं रुपैया निकालबाक लेल बीएमपी आ ग्रामीणक बीच हंगामा

    0
    311

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहारक दरभंगा में बिहार मिलिट्री पुलिस (बीएमपी) 13 के सैन्य कैंपक जवान आ ग्रामीण मे सोमदिन साँझ झड़प के बाद जमिकय मारिपीट भेल। अहि के बाद आक्रोशित ग्रामीण दरभंगा कुशेश्वरस्थान मुख्य सड़क के जाम कय हंगामा शुरू कय देलक। अहि पर बीएमपीक जवान अप्पन साथी के समूहक संग प्रदर्शन कय रहल ग्रामीण पर कहर बनि कय टूटि पड़ल आ जमिकय लाठी चलेलक। जाहि मे बहुत रास लोक घायल भेल अछि, बहुतो दोकान मे तोड़फोड़ आ लूटपाट भेल अछि।

    स्थिति खतरनाक भेला पर दरभंगा पुलिसक एएसपी दिलनवाज अहमद दल-बलक संग मौका पर पहुच कय मामला के शांत करौलनि। दरअसल, पूरा मामला बीएमपी मे लागल एटीएम स रुपैया निकालबाक लेल भेल। गांवक एकटा युवक पवन महतो एटीएम स रुपैया निकालि रहल छल। ठीक ओहि समय बीएमपीक एकटा जवान रुपैया निकालबाक लेल पहुंचल। पहिने रुपैया निकालबाक लेल दूनू के बीच विवाद भेल आ मारिपीट शुरू भय गेल।

    अहि के बाद जवानक किछु संगी पवन उठाकय बीएमपी 13 के कैंप मे लय जा खूब पिटाई केलक। ग्रामीण पवन के छोड़ेबाक लेल कैंप पहुंच गेल। जबान ग्रामीण के मारि कय भगा देलक मुदा पवन के नहि छोड़लक। ग्रामीण मुख्य सड़क के जाम कय हंगामा शुरू कय देलक। अहि के बाद जवान जमि कय लाठी चलेलक।