मधुबनी मे बाढ़िक पानि मे डूबला सं तीन गोटेक मौत

    0
    335

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: बिस्‍फी आ लदनियां मे बाढ़िक पानि मे डूबला सं एकटा बच्‍चा समेत तीन गोटेक मौत भय गेल। बिस्फी प्रखंड के जगवन पूर्वी पंचायत के कटैया गाम निवासी गुदेश्वर सहनी के 11 वर्षीय इकलौटा बेटा रवि कुमारक मौत बारिश के पानी स भरल डबरा मे डूबला सं भय गेल। लअगे मे धौंस नदी पर महारानी बांध अछि।

    बारिश के कारण नदीक पानि समीपक गड्ढा मे भरि गेल छल। ओहि के आस-पास खेलैत-खेलैत रवि डबरा मे पिछड़ि गेल। जाबेत लोकक नजरि रवि पर परैत टा धरि रवि प्राण त्यागी देने छल।धौंस नदीक पानि मैदानी क्षेत्र मे प्रवेश कय चुकल अछि, जाहि कारने गड्ढानुमा डबरा सेहो पानि सं भरल अछि।

    लदनियां थाना क्षेत्र के दोनवारी पथलगाढ़ा गाम मे सोनी नदी मे आयल बाढ़ि के पानि मे डूबला सं भविष्य कामत(48) तथा सौरभ ठाकुर(18) के सेहो मौत भय गेल। लोक के दुनूक लहास सोमदिन राति मे भेटल।थानाध्यक्ष पंकज आनंद कहलनि जे, सौरभ ठाकुर विक्षिप्त छल, ओकर मौत बाढ़िक पानि मे खसि पड़ला सं भय गेल। जहन कि भविष्य कामत के मौत सोनी नदी मे डूबला सं भेल। ओ माँछ पकड़य लेल चचरी पर गेल छल।