कृषि विश्वविद्यालय पूसाकें भेटल केन्द्रीय विश्वविद्यालयक दर्जा

    0
    259

    दिल्ली-मिथिला मिररः केन्द्रक नरेन्द्र मोदीक सरकार मिथिलाक लेल एकटा आओर भेंट दैत मिथिलाक गौरव समस्तीपुर स्थित राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय पूसा समस्तीपुर कें केन्द्रीय विश्वविद्यालयक दर्जा दय देलक।
    बुधदिन सांझामे केन्द्रीय कैबिनेट द्वारा लेल गेल निर्णयकें बाद समस्तीपुर स्थित पूसा कें केन्द्रीय कृषि विश्वविद्यालयक दर्जा भेटवाक गौरव प्राप्त भेल। निश्चित रूपहिं इ कृषि विश्वविद्यालय मिथिलाक लेल जहिना 1934 सं पूर्व वरदान छल तहिना एक बेर फेर सं ओहि रूपमे मिथिलावासीक सोंझा आएत।