सेल्फी विवाद पर मिथिला मिरर केर संपादक संग एक्सक्लूसिव बातचीत मे भावना झा

    0
    253

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झाः मधुबनी-सीतामढ़ी मार्ग पर बसैठकें नजदीक भेल विभत्स बस दुर्घटनाक बाद घटना स्थल पर पहुंचल बेनीपट्टी सं कांग्रेस विधायक भावना झा’क घटना स्थल पर सेल्फी लैत तस्वीर बाहर आएल छल, जेकर बाद सं अहि मुद्दा पर आम लोक सहित राजनीतिक पार्टीक नेता सब नानान तरहक आरोप-प्रत्यारोप लगा रहलनि अछि। अहि विषयकें गंभीरता सं लैत मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा, कांग्रेस विधायक भावना झा केर संग विशेष बातचीत कैलनि आ सेल्फी विवादक संदर्भमे विधायक सं विस्तार सं जनलनि।

    भावना झा कहलनि जे हां, हम घटना स्थल पर सेल्फी लेने रही आ अहिमे कोन खराबी छै? हम सब सं पहिने घटनास्थल पर पहुंचल रही आ ओहि दृश्य के हम अपना कैमरा मे लए सरकार तक पहुंचेलौह अहिमे कोन खराबी। हमरा ओहिठामक जनता कहलक जे हमरा सबहक मोबइलमे सेल्फी नहि आबि रहल अछि त अहां अपना मोबाइल सं सेल्फी लए लिया। हम लगातार ओहिठाम कैम्प कए बैसल छी। सबटा मृतकक परिवारकें स्वयं सं चेक दए ओकरा बाद घायल सब कें सेहो हर संभव मददमे लागल छी।

    भावना कहली जे कोनो नेता आब ओहिठाम नहि छथि मुदा हम अपन जिम्मेदारीमे लागल छी आ ओकर निर्वाह कए रहल छी। लेकिन हम सवाल ओहि व्यक्ति पर उठा रहल छी जे हमर सेल्फी लए सार्वजनिक कैलनि। आखि़र कतए गेलथि ओ व्यक्ति, हुनका सोंझा ऐवाक चाही। हम त लगातार ओहिठाम कैम्प कएने छी आ कएने रहब जा धरि हम अंतिम व्यक्तिकें मदद नहि पहुंचा देब ता धरि।

    हम अहांकें इ स्पष्टीकरण देलौह जे हम ओहिठाम सेल्फी लेने छलौह। विवाद बनेनिहार लोकनि सदिखन विवाद ठाढ़ करवे करताह मुदा हमरा की करवाक अछि से हमरा नीक जेना बुझल अछि। हम अपन काज करैत छी आ अंत धरि करैत रहब, जिनका जाहि तरहक विवाद ठाढ़ करवाक छन्हि ओ करैत रहौथ।