लालूक सामने सरेआम मंच सं पत्रकारकें धमकेला बिहारक स्वास्थ मंत्री तेज प्रताप यादव

    0
    344

    दिल्ली- मिथिला मिररः राष्ट्रीय जनता दलक 20म स्थापना दिवसक अवसर पर पटनामे आयोजित एकटा कार्यक्रममे बिहारक स्वास्थ्य मंत्री आ लालू प्रसाद यादवक जेठ पुत्र तेज प्रताप यादव एकटा पत्रकारकें सरेआम धमकावैत नजैर ऐलाह। बात एहन छल जे कार्यक्रमक दरम्यान लेल गेल अपन तस्वीरकें तेज प्रताप एकटा वीडियो जर्नलिस्टकें कैमरामे जा देख रहल छलाह, जेकरा एकटा दोसर पत्रकार अपना मोबाइल फोनमे शूट कए लेलाह, बस ओहिकें बाद कि छल।

    तामश सं तमताएल तेज प्रताप माइक पर ओहि पत्रकारकें कहैत छथि जे ‘आप पत्रकार हैं, इसलिए आपको चेतावनी दे रहा हूं, वरना केस कर देता, मानहानी का केस कर दूंगा। फोन से सारी की सारी फोटो को अभी डिलीट कीजिए वरना आप पर केस करेंगे।’ हालांकि जखन लालू प्रसाद यादवकें अहि बातक पता चलल त ओहो तेज प्रताप कें किछु समझेवाक कोशिश करैत देखना गेलाह मुदा तेज प्रतापक तामश कम नहि भेल। एतबे नहि तेज प्रताप यादवक बगलमे बैसल राजदक वरिष्ठ नेता आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री जय प्रकाश नारायण यादव सेहो तेजस्वीकें समझेवाक पूर्ण कोशिश करैत देखना गेलाह, मुदा ओकरो कोनो खास परिणाम नहि देखना गेल।

    अहि मामला कें गंभीरता सं उठावैत मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण जय प्रकाश नारायण यादव सं फोन पर बातचीत केलाह आ घटनका विषयमे जनवाक कोशिश कैलनि, मुदा जय प्रकाश यादवक जे पक्ष छलनि ओहो कोनो संतोषप्रद नहि कहल जाएत। जय प्रकाश नारायण यादव कहला जे बेवजह अहां सब अहि बातकें तूल दय रहल छी। ओ त माइक आॅन छल ताईं इ बात सबकें पता चलि गेल। इ कोनो एहन आक्रमक बाद नहि थिक जे अहि पर एतेक बेसी बहस कैल जाए।

    जय प्रकाश नारायण यादवक जे भी दलील हो मुदा लगातार प्रेस पर सेंसरशीप कें जे मामला बिहार सं समय दर समय उठैत रहैत अछि ओकरा बाद इ कहब मुश्किल अछि जे बिहारमे पत्रकारिता करब सहज अछि, ओहो सत्ता आ सरकारक विरूद्ध जा।