छोले-भठूरे नहि भेटला पर नाबालिग केलक आत्महत्या

    0
    279

    पटना, मिथिला मिरर: पटना मे एकटा नाबालिग लड़का महज अहि लेल फांसी लगा कय जान दय देलक किया कि ओकर भोजनक फरमाईश पूरा नहि भेल। छोले-भटूरे’के फरमाइश पूरा नहि भेला पर तमसायल छात्र घर बंद कय फांसी लगाकय आत्महत्या कय लेलक। घटना रूपसपुर थाना क्षेत्रक संतोषा अपार्टमेंट के अछि।

    मृतक के रिश्तेदार बतौलनि जे, केंद्रीय विद्यालय के 10वीं’क छात्र अभिजीत मां-बाप’क एकलौता पुत्र छल। अभिजीत खाना मे छोले-भटूरे मंगलक जकरा बच्चाक माँ कोनो कारण वस पूरा नहि कय सकली।अहि सं तमसायल छात्र एहेन खौफनाक कदम उठा लेलक। अभिजीत जाहि समय फांसी लगौलक ओहि समय घरक लोक बाहर गेल छल।