डायरिया पीड़ित क्षेत्रक दौरा कएलनि सिविल सर्जन आ विधायक

0
368

बहादुरपुर, दरभंगा मिथिला मिरर : दरभंगा जिलाक बहादुरपुर क्षेत्रक उघरा पंचायतक सहनी टोलमे डायरियाक प्रकोप देखल गेल अछि। 28 अगस्त मंगदिन सिविल सर्जन दिलीप कुमार मिश्र आ स्थानीय विधायक भोला यादव, सहनी टोलक दौरा केलाह। सीएस डॉ मिश्र, ओहि पंचायतक मुखियाक पति सुदिष्ट चंद्र झासँ विस्तृत जानकारी लेलाह। बादमे पीएचसी प्रभारी डॉ आरके चौधरीके निर्देशित करैत पाँच दिन तक तीनटा डॉक्टर, तीनटा एएनएम आ दूटा कम्पाउंडरक  शिविर लगा डायरियासँ पीड़ित लोकसभक समुचित उपचारक निर्देश देलनि। संगहि पूरा गाममे ब्लीचिंग पाउडरक छिड़काव करेबाक आदेश देलनि, ताकि डायरिया पर लगाम लागि सकय। विधायक भोला यादव डीएम डॉ चंद्रशेखर सिंहसँ बात क’ गाममे कैंप लगेबाक आग्रह केलथि। सीएस आदेश जारी केलाह जे पीड़ित मरीज सभके घर-घर जा समुचित इलाज कएल जाय। विधायक बतौलनि जँ समय पर डॉक्टरक टीम नहि पहुँचतथि  त’ बीमारी विस्तृत रूप ल’ सकैत छल। सुदिष्ट चंद्र झा बतौलनि जे डायरियासँ चारिटा रोगीक हालत गंभीर भ’ गेल अछि। पीड़ित पप्पू कुमार, रानी कुमारी, विवेका कुमारी, रोशन कुमारीकेँ डीएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल ओतहि 62 वर्षीय लखन मुखिया, 13 वर्षीया साक्षी कुमारी, 60 वर्षीय राम कुमार झा सहित दर्जनों लोक सभक इलाज गामेमे कएल जा रहल अछि। एहि दौरामे डीपीएम विशाल कुमार सिंह, पीएचसी प्रभारी डॉ आरके चौधरी, दशरथ यादव, जिला परिषद सदस्य भोला सहनी, केवल यादव, रामसेवक भगत, महेश यादव, तेतर राम, जोगिंदर पासवान, गुड्डू झा, स्वास्थ्य प्रबंधक दिनेश कुमार आनंद सहित ग्रामीण सभ मौजूद छलाह।