सभ पंचायतसँ संचालित होयत कृषि कार्यालय

0
360

मधुबनी, मिथिला मिरर : आब सभ पंचायतमे कृषि कार्यालय संचालित होयत। फिलहाल संबंधित पंचायतक सरकारी भवनमे या भवन उपलब्ध नहि भेलाक स्थितिमे किसानक घर भाड़ा पर ल’ कार्यालय संचालित कएल जायत ई बात डीएम शीर्षत कपिल अशोक जिला कृषि टास्क फोर्सक बैठकमे कहलाह। मंगलदिन कलुआही प्रखंडक कपड़िया गामक फार्म हाउसमे  डीएम बैठककेँ संबोधित करैत आकस्मिक फसल योजनाक तहत देल जाय वला मकई, अरहर आ उरीदक बीया देबाक लेल खाली खेतवला किसानकेँ चिन्हित करबाक निर्देश देलनि। संगहि मूँग आ ढैंचाक बीज वितरणक सेहो समीक्षा भेल। कस्टम हायरिंगक लेल कतेको प्रखंडसँ आवेदन पत्र नहि एबाक बात गंभीरतापूर्वक लैत सभ प्रखंड कृषि पदाधिकारीकेँ कम-सँ-कम दूटा आवदेन उपलब्ध करेबाक निर्देश देलनि। जिला पदाधिकारी द्वारा ई-किसान भवनक समीक्षाकेँ क्रममे बतौलनी जे जिलामे 17 ई-किसान भवन पूर्णतया बनल अछि आ 4टा अपूर्ण अछि। लोकसभ विगत 10 सालसँ बेसी समयसँ अर्द्धनिर्मित पशुपालन अस्पताल सेहो उपलब्ध करेबाक नर्देश देलनि। किसान सभ बिना एलपीसीके किसान क्रेडिट कार्ड नहि निर्गत करबाक शिकायत कएलनि, हलाँकि विभाग द्वारा 1 लाख तककेँ लोन बिना एलपीसीके निर्गत करबाक नियम छैक। डीएम एहि संबंधमे सभ बैंकक क्षेत्रीय समन्वयकेँ साथ एकटा बैठक क’ समस्याक निदान करबाक निर्देश देलाह। संगहि राज्य स्तरीय बैंकर्स समितिकेँ एहि समस्याक निदान आ पत्र भेजबाक बात कहल गेल। डीएम कृषि फार्म स्थित मत्स्य पालन आ हैचरीक निरीक्षण सेहो केलाह। सभ कृषि फार्म हाउसक बाउंड्री करेबाक अनुशंसा केलाह आ अनुपस्थित बीएओक एक दिनक वेतन स्थगित करबाक आ स्पष्टीकरण पुछबाक निर्देश सेहो देलनि।