नहि रहलाह केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान, 74 सालक उम्र मे दिल्ली मे लेलनि अंतिम साँस

0
2897

दिल्ली, मिथिला मिरर : प्रखर समाजवादी नेता आ लोक जनशक्ति पार्टिक संस्थापक रामविलास पासवान वृहस्पतिदिन दिल्लीक एकटा निजी अस्पताल मे अंतिम सांस लेलनि। रामविलास पासवानक पुत्र आ लोजपा अध्यक्ष चिराग पासवान सोशल मीडिया केँ माध्यम सँ एकर पुष्टि कएलनि अछि।लोजपा संरक्षक रामविलास पासवान 74 केँ उम्र मे एहि दुनियाँ केँ अलविदा कहि देलनि। बिहार समेत केंद्रीय राजनीति केँ लेल एकटा पैघ क्षति मानल जा रहल अछि। वर्तमान मे ओ मोदी सरकार मे केंद्रीय मंत्री छलाह। पैछला एक मास सँ ह्रदय संबंधी रोग केँ इलाजक वास्ते अस्पताल मे भर्ती छलाह। बितल सप्ताह हुनक ऑपरेशन सेहो भेल छलनि।