21 जून कऽ अंतरराष्ट्रीय योग दिवस पर बाबा रामदेव संग मंच साझा करताह रवि व्योम

    0
    369

    दिल्ली-मिथिला मिररः 100 मीनट धरि लगातार शीर्षासन कऽ शीर्षासनकें एखन धरिकें विश्व रिकाॅर्ड 90 मीनट कें चुनौति देनिहार आ मिथिला मिरर योग एक्सपर्ट रवि व्योम शंकर झा आब 21 जून कऽ दिल्लीक इंडिया गेट पर आयोजित होइवला अंतरराष्ट्रीय योग दिवसक उपलक्ष्यमे योग गुरू बाबा रामदेव कें संग मंच साझा करताह।
    100 मीनट धरि शीर्षासन केलाक बाद आब योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा पतंजलि शोध कय रहल अछि जे आखिर ओ कोन तरहें 100 मीनट धरि शीर्षासन कय लैत छथि। पतंजलि योगपीठ सं योगक शिक्षा प्राप्त केलाक बाद रवि व्योम सतत् योगक प्रचार-प्रसार मे लागल छथि। मिथिला मिरर सं बातचीत करैत रवि कहला जे हमरा लेल इ एकटा पैघा उपल्बधि अछि जे बाबा रामदेवक संग हम अंतरराष्ट्रीय योग दिवस पर मंच साझा करब।