ईनार स निकलल तेल, लुटबाक लेल मचल मारामारी

    0
    311

    मिथिला मिरर: बिहारक गया जिला मे एकटा ईनार स तेल निकलबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि।घटना गया जिलाक रामपुर थाना क्षेत्रक गंगोबिगहा मोहल्ला के अछि। ईनार स डीजल तेल निकलबाक जानकारी भेटतहि लोकक हुजूम जुटि गेल। सूत्रक अनुसार गंगोबिगहा मोहल्ला मे लोक ईनार पर स्नान करबाक लेल गेल छल आ कि ईनार स तेलक गंध आबय लागल।

    जहन स्थानीय लोक बाल्टी स ईनारक पानि बाहर निकाललनि त बाल्टी मे डीजल तेल छल। ई समाचार समुच्चा मोहल्ला मे आगि जेना पसरि गेल। जकरा बाद लोक बाल्टी स तेल निकालि कय घर लय जाए लगलाह।

    स्थानीय लोकक अनुसार सैकड़ो गेलन तेल लय क लोक भागि गेल। जकरा बाद रामपुर थाना के सूचित कायल गेल तहन जा कय पुलिस मौका पर पहुँचि कय तेल निकासी पर रोक लगौलक आ ईनार के सील कय देलक। फिलहाल जिलाधिकारी बीडीओ के घटना स्थल पर जांच करबाक आदेश देलक अछि।

    सूत्रक अनुसार गंगोबिगहा मोहल्ला के बहुतो घर मे बोरिंगक पानि स तेल एबाक दुर्गन्धक शिकायत लगातार भेटैत अछि। स्थानीय लोक लगातार प्रशासन स मांग करैत छथि जे, ईलाका मे टैंकर स पानि भेजबाक व्यवस्था कायल जाय।