राजनीतिमे ट्वेटी-20 खेल रहल छथि कीर्ति आजाद

0
667

दरभंगा, मिथिला मिरर :  भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) सँ निलंबित सांसद आ पूर्व क्रिकेटर कीर्ति आजाद आइ-कालिह  राजनीतिक ट्वेंटी-20 खेल रहल छथि। हार-जीत अपन जगह, मुदा अपन बॉलिंग-बैटिंगमे कमी नहि राखि रहल छथि। राजनीति हुनका विरासतमे भेटल छनि। हुनक पिता भागवत झा आजाद बिहारक मुख्यमंत्री रहल छलाह। एहनमे बेटा राजनीतिक खेलाडी नै होइन एहन नै बुझना जाइत अछि।
राजनीतिमे एबासँ पहिने स्‍टार क्रिकेटर रहल छथि कीर्ति 
साल 1959 केँ 2 जनवरी क’ बिहारक पूर्णियामे कीर्ति आजादक जन्म भेल छनि। पिता भागवत झा बादमे बिहारक मुख्‍यमंत्री बनलाह। राजनीतिक पृष्‍ठभूमिक बावजूद शुरूआती दौरमे कीर्तिक रूचि क्रिकेटमे छलनि। कीर्ति भारतीय क्रिकेट टीममे अपन जगह बनेलाह आ कतेको टेस्ट आ वनडे मैच खेललाह। आजाद 1983क’ विश्‍व कप विजेता क्रिकेट टीमक हिस्सा छलाह।
दिल्‍लीसँ राजनीतिमे केलाह एंट्री, अखनि दरभंगासँ छथि सांसद 
समय बितैत गेल, कालांतरमे क्रिकेटसँ जुड़ल कीर्ति आजाद  राजनीतिमे आबि गेलाह। वर्तमानमे कीर्ति आजाद दरभंगासँ सांसद छथि। कीर्ति आजाद संसदमे तीन बेरसँ दरभंगाक प्रतिनिधित्व क’ रहल छथि। ओहिसँ पूर्व ओ एकबेर दिल्लीक गोल मार्केटसँ विधायक सेहो रहल छथि। सभसँ पहिने 1999मे, तकरा बाद 2009 आ 2014 मे कीर्ति आजाद दरभंगासँ भाजपाक टिकटसँ तीन बेर सांसद बनलाह। मुदा पार्टी विरोधी गतिविधिमे शामिल हेबाक नाम पर हिनका पार्टीसँ निष्कासित क’ देल गेल। हालाँकि बादमे आजाद बगावती तेवर अपनाबैत पार्टी लाइनसँ इतर सेहो बयान देबय लगलाह। बात एहन छल जे केंद्रीय वित्‍त मंत्री अरुण जेटलीकेँ खिलाफ हुनकर बयानकेँ कारण पार्टी हुनका निलंबित क’ देलक। साल 2015 सँ पार्टीमे निलंबित चलि रहल कीर्ति आजादक बयान भाजपाकेँ असहज करैत रहल। ईमानदारी आ निष्ठाक बात करैत अरुण जेटली पर लगातार भ्रष्टाचारक आरोप लगबैत रहलाह।

देश आब धिरे-धिरे चुनावक दिशामे बढ़ी रहल अछि। बिहारमे भाजपा अपन सहयोगी दलक संग चुनावी मैदानमे उतरत। एहनमे कीर्ति आजादकेँ भाजपासँ टिकट नै भेटतनि एहन मानल जा रहल अछि। त’ सवाल उठैत अछि जे कीर्ति आजाद कोन पार्टीसँ चुनाव लड़ताह। मिथिला मिररक संपादक संग भेल साक्षात्कारमे एहि सवाल पर जबाब दैत कीर्ति कहलनि जे खरमासक बाद ओ एलान करता जे ओ कोन पार्टीसँ चुनाव लड़ताह। मुदा एकटा बात तय अछि जे चुनाव दरभंगासँ लड़ब।
थामि सकैत छथि काँग्रेसक हाथ

भाजपामे रहैत भाजपाक खिलाफ हुनकर बयान सभके 2019क’ लोकसभा चुनावसँ जोड़ी क’ देखल जा रहल अछि। एहन मानल जा रहल अछि जे विपक्षी पार्टी दरभंगा लोकसभा सीट पर महागठबंधनसँ  उम्‍मीदवार बना सकैत छनि। कीर्ति आजाद एकटा प्रेस वार्तामे कांग्रेस अध्यक्ष राहुल गाँधीक तारीफ करैत कहने छलाह जे हुनक पिता सेहो कांग्रेसी रहल छथि। ई बात एहन तरहक इशारा क’ रहल अछि जे कीर्ति आजाद कांग्रेसमे शामिल भ’ सकैत छथि। हालाँकि हुनक पत्‍नी पूनम आजाद सेहो वर्तमानमे कांग्रेस पार्टीमे छथि। ई आबय वला समय बताओत जे कीर्ति आजाद कोन पार्टीसँ चुनाव लड़ताह अखनि त’ कयास मात्र लगाओल जा सकैत अछि।