मुजफ्फरपुर मे थानाध्यक्ष पर हमला’क मामला मे 11 गोटे गिरफ्तार

    0
    452

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: पारू थाना क्षेत्रक ठेंगपुर गाम मे मंगलदिन गोपालगंज पुलिस पर जानलेवा हमला के मामला मे पुलिस दू गोट महिला सहित 11 गोटे के हिरासत मे लेलक अछि। सब के अलग-अलग थाना मे राखि कय पूछताछ कायल जा रहल अछि। एसएसपी विवेक कुमार व एसपी अभियान राणा ब्रजेशक नेतृत्व मे मंगलदिन देर राति धरि छापेमारी कायल गेल।

    अहि दौरान ठेंगपुर गाम सं नरेश राय, लगन राय, राम अशीष राय, मनोज कुमार, रितेश कुमार, हरेंद्र राय, नीरज कुमार, लालबाबू राय, रंजू देवी व प्रतिमा देवी के हिरासत मे लेल गेल। अहि के अलावा देविरया थानाक दुमरावन गाम निवासी कमलेश राय के सेहो गिरफ्तार कायल गेल। पारू थानाध्यक्ष कैप्टन शाहनवाज कहलनि जे, पुलिसक टीम गोपालगंज के जख्मी दूनू थानाध्यक्षक बयान दर्ज करबाक लेल पटना गेल अछि। बयान एलाक बाद प्राथमिकी दर्ज कायल जायत।

    छापेमारी मे पश्चिमी डीएसपी अजय कुमार, सरैया एसडीपीओ गौरव मंगला व पारू, देविरया, सरैया, जैतपुरक पुलिस शामिल छल। ज्ञात हो कि ठेंगपुर गाम मे मंगलदिन गोपालगंजक पुलिस अवैध शराब कारोबारक आरोपित अजय राय के पकड़बाक लेल गेल छल। अहि दौरान ग्रामीण पुलिस टीम पर जानलेवा हमला कय देलक। जाहि मे कुचायकोट थानाध्यक्ष महेंद्र कुमार व महमदपुर थानाध्यक्ष मुन्ना कुमार सहित तीन पुलिस कर्मी गंभीर रूप सं घायल भय गेल छल।