कॉलेज प्रशासनक विरोधमे आठ घंटा जाम रहल एसएच-55

    0
    397

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: कॉलेज द्वारा अंतर स्नातककें प्रायोगिक परीक्षा नहि लेबाक कारण एसके कॉलेज थतिया’क छात्र-छात्रा सब एसएच 55’कें जाम कय विरोध प्रदर्शन केलक। कॉलेज प्रशासन द्वारा प्रकाशित सूचनाकें अनुसार जहन छात्र-छात्रा कॉलेज पहुंचल त ओतए मुख्यद्वारिकें बंद कए शिक्षक-शिक्षकेत्तर कर्मीकेँ धरना पर बैसा देल गेल।

    प्रैक्टिकल नहि हेबाक जानकारी भेटितहि आक्रोशित छात्र कॉलेजक सामने रोसड़ा-बेगूसराय पथ जाम कय देलक। सरकार तथा कॉलेज प्रशासनक विरूद्ध नारेबाजी करैत छात्र अपन भविष्यक संग खेलवाड़ करबाक आरोप लगा रहल छल। बहुतो छात्र-छात्रा अगिला माह विभिन्न प्रतियोगिता परीक्षामे सम्मलित हेबाक बात करैत प्रैक्टिकल नहि हेबाक सं समस्या उत्पन्न हेबाक बात कहलनि।

    अहि बीच पुलिस बलक संग पहुंचल अंचलाधिकारी शशिभूषण प्रसाद सिंह द्वारा देल गेल आश्वासन एवं समझेला-बुझेलाकें पश्चात छात्र जाम हटेलक। अहि बीच दिनक 10 बजे सं 1 बजे तक लगातार 3 घंटाक जामक कारण दुनू दिसक वाहनक लंबा कतार लागि गेल।