बिहारमे छात्राकें नंबर बढेबाक लेल अश्लील पेशकश केलक शिक्षक

    0
    298

    भागलपुर, मिथिला मिरर: तेज नारायण बनैली महाविद्यालयकें इंटरकें एकटा छात्रा भौतिकी विभागक दू टा शिक्षक आ एकटा डेमोस्ट्रेटर पर प्रायोगिक परीक्षामे नंबर बढेबाक बदला शारीरिक संबंध बनेबाक दबाव देबाक आरोप लगेलक अछि।

    छात्रा प्रधानाचार्य डॉ. राम प्रकाश चंद्र वर्मा आ विविके डीएसडब्ल्यू डॉ. उपेंद्र साहकें पत्र पठाकय शिकायत केलक। डीएसडब्ल्यू दोषी पर कार्रवाई कय प्रधानाचार्य सं रिपोर्ट मांगलक अछि। मामलाक जांच एंटी सेक्सुअल ह्रासमेंट सेलकें देल गेल अछि।

    मामला’क गंभीरताकें देखैत प्रधानाचार्य 25 मार्च कए ओहि पत्रकें एंटी सेक्सुअल ह्रासमेंट सेलकें सौंपी देलनि। सेलमे डॉ. रोमा घोष, डॉ. मनोज कुमार आ डॉ. अर्चना साह छथि। सेलक़े 15 दिनक भीतर जांच कय रिपोर्ट देबाक लेल कहल गेल अछि।

    पत्रक सत्यताक़े जांचक दौरान प्रधानाचार्यक़े पता चलल जे, जाहि नाम सं पत्र आयल अछि, ओहि नामक चारि टा लड़की इंटर विज्ञानमे पढ़ैत अछि। एहिकेँ बाद प्रधानाचार्य चारू लड़कीकें बजाकय चारुकें राइटिंग टेस्ट लेलनि। जाहिमे एकटा लड़कीक हैंड राइटिंग मेल खा गेल। हालांकि ओ लड़की अहि पत्र सं मुकरि गेल।