मधुबनी जिलाक दतुआरमे शुरू भेल नौ दिवसीय अखंड नवाह यज्ञ

    0
    309

    मधुबनी,मिथिला मिरर-पारस ठाकुरः मधुबनी जिलाक खजौली प्रखंडक दतुआर लक्ष्मीपुर गामक ब्रम्हस्थान में नौ दिवसीय अखंड नवाह महोत्सव शुरू भेल। जाहिमे 151 गोट कुमारी कान्यां आ स्त्रीगण लोकनिक द्वारा कलश शोभा यात्रा कें भव्य झांकी निकालल गेलैक। कलश शोभायात्रा लक्ष्मीपुर चौक होइत जीबछ धार पहुचल आ ताहिमे सँ पवित्र जल भैर नवाह मंडप मे स्थापित कऽ मंडप के पवित्र कएल गेल। वैदिक मंत्रोच्चारण कें बाद अखण्ड नवाह महोत्सव कें शुभारम्भ भेल।
    ‘जय सीताराम सीताराम, सीताराम जय सीताराम’क कीर्तन सं दतुआर सहित आसपाक गाम गुंजित होइत रहत। नवाह स्थलीक जे दृश्य हैत ओकर अनुमान शोभायात्रा कें देखि अपने सब सहज रूप सं बुझि गेल हैव। अहि नवाह यज्ञ कें सफल बनेवामे श्याम कुमार, अरविन्द कुमार, मुकेश कुमार, पुनदेव कुमार, रविशंकर, नवल कुमार, गंगा कुमार, सहित सम्पूर्ण ग्रामीण खूब उत्साह सं हिस्सा ल रहल छैथ।