बिहारमे चारिगोट रेल परियोजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास केलाह प्रधानमंत्री मोदी

    0
    312

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार चुनावक बाद पहिल बेर बिहार पहुंच प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बिहार मे अलग-अलग चारि गोट रेल परियोजनाक उद्घाटन एवं शिलान्यास केलाह। अपन एक दिनक प्रवास पर बिहार पहुंचल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पहिने पटना उच्च न्यायालयक शताब्दी समारोहक समापन कार्यक्रम मे भाग लेलाक बाद हाजीपुर पहुंचला जाहिठाम सं प्रधानमंत्री मोदी सोनपुर-दीघा रेल-सड़क पुल, मुंगेर कें रेल पुल कें उद्घाटन केलाह त पटना-लखनऊ कें बीच चलाओल गेल नव ट्रेन कें हरियर झंडी देखा कय ओकरा रवाना केलाह। एतबे नहि संपूर्ण मिथिला (उत्तरी बिहार) कें दक्षिणी बिहार सं जोड़य वला बेगूसरायक सिमरिया मे बनल राजेन्द्र पुलक समानांतर बनैवला रेल पुलक सेहो शिलान्यास केलाह।

    अपन संबोधनमे प्रधानमंत्री कहला जे इ अटल जी’क सपना छलनि आ ओहि समय नीतीश कुमार रेलमंत्री छलाह, लेकिन पैछला दस बरखमे जाहि तरहक काज कैल गेल ओकरे मात्र इ परिणाम थिक जे 600 करोड़ टकाक अहि परियोजनामे 3000 करोड़ टकाक लागत लागि गेल, जखन कि एकरा शुरू होमय मे 7 साल सं बेसीक विलंम्ब भेल। प्रधानमंत्री कहला जे हमर सरकारक 18 मासक कार्यकालमे बिहार प्राथमिकता पर रहल अछि आ एकरे इ परिणाम अछि कि जतेक फंड बिहार कें पैछला पांच सालक सरकारमे नहि भेटल ओहि सं ढाई गुणा बेसी टका बिहारकें रेलक विकासक लेल दय चुकल अछि।

    बिहारक विकास पर अपन वचनबद्धता दोहरावैत प्रधानमंत्री कहला कि देशक विकास तखने संभव अछि जखन कि बिहारक विकास हो। बिना पूर्वी भारतक विकास सं देशक विकास कखनो संभव नहि अछि। प्रधानमंत्रीक भाषणकें बाद जखन बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बजवाक लेल मंच पर पहुंचलाह त उपस्थित लोक सब मोदी-मोदीक जय-जयकार करय लागल, बाद मे मोदी स्वयं उठैत भीड़कें शांत करेलाह आ नीतीश कुमार भाषण कें निर्वाध रूप सं पूर्ण करवौलनि।