वर्तमान सरकार सं मिथिलाक विकासक आश अनापेक्षित: मणिकांत ठाकुर

    0
    309

    दिल्ली-मिथिला मिररः देशक जानल-मानल पत्रकार आओर बीबीसी पटनाक पूर्व संपादक मणिकांत ठाकुर संग मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा केर भेल विशेष बातचीत मे बीबीसी पटनाक पूर्व ब्यूरो प्रमुख नवनिर्वाचित बिहार सरकार आओर मिथिला-मैथिली सं जुड़ल विभिन्न मुद्दा पर अपन पक्ष रखलनि। अपने कें बता दी बिहार चुनावक अंतिम चरणक मतदानक बाद मणिकांत ठाकुर मिथिला क्षेत्रमे एनडीएक भारी नुकसान आ महागठबंधन कें बेतहाशा समर्थनक पूर्वानुमान लगा चुकल छलाह जाहि कें बाद सोशल मीडिया पर हुनकर बहुत बेसी आलोचना सेहो कैल गेल छल। मुदा एबीपी न्यूज पर बतौर मिथिला एक्सपर्ट बनि गेल मणिकांत ठाकुरक बात जखन शत-प्रतिशत सत्य भय गेल ओहिकें बाद तमाम विरोधी अपना मुंह कें नुकेबाक लेल विवश भय गेलाह।
    संपूर्ण मिथिला क्षेत्रमे महागठबंधन कें भेटल अपार जनसमर्थन ओ आवै वला समय मे मिथिलाक विकास आ मिथिला आंदोलन पर विस्तार सं चर्चा करैत दिग्गज पत्रकार मणिकांत ठाकुर दू टूक शब्द मे कहला जे वर्तामान सरकार सं मिथिलाक विकासक अपेक्षा करब ओहिना बुझाइत अछि जेना कि सूर्यक जड़ैत प्रकाशकें आंचार सं झांपब। मणिकांत ठाकुर कहला जे मैथिली आ मिथिलाक उपेक्षाक लेल नीतीश कुमार ओ लालू प्रसाद यादव दुनू सामान्य रूप सं जिम्मेदार छथि। नहि त नीतीश कें मैथिली सं कोनो विशेष लगाव छन्हि आ नहि लालू कें। दुनू नेता अपना-अपना स्तर सं मैथिलीक जतेक नुकसान कय सकैत छलाह ओहिमे कतौ कोनो कमि नहि रखलाह।
    आब एहनमे इ जिम्मेदारी ओहि आंदोलनि लोकनिक छन्हि जे कोना अहि सरकार सं मिथिलाक विकासक लेल काज करौता। मैथिली-मिथिला एकटा अंधकार युगमे चलि गेल अछि आ अहिकें लेल सत्ता पक्षक संग-संग स्थानीय जे जनप्रतिनिधि चुनि कय जाइत छथि ओहै सब सं बेसी मैथिलक संग अन्याय कय रहला अछि। खास कय स्थानीय जनप्रतिनिधि जे अपना क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करैत छथि जीतलाक बाद ओहै सब सं बेसी अवहेलना मिथिला ओ मैथिलीक करैत रहला अछि। अहि विषय पर संपूर्ण मैथिल समाज कें एकजुट भय गंभीरता सं सोचय पड़तनि अगर ओ लोकन्हि ओहि तरहें नहि सोचताह त सब दिन मिथिला-मैथिलीक स्थिति ओहना रहत।
    वरष्ठि पत्रकारक मानी त जाहि तरहक अपार जनसमर्थन मिथिला क्षेत्र सं ओहि व्यक्ति कें हम मैथिलसब देलौह जे सतत मिथिला विरोधी रहलाह अछि तखन त ओकर परिणाम निश्चित रूपहिं गभीर हेवैटा करतै। आब अहिठाम सं सुसंगठित भय संपूर्ण मैथिलकें अहि बातक मुहिम छेड़वाक चाहि जे जाहि मिथिलाकें लालू आओर नीतीश सब दिन उपेक्षित रखैत एलाह, ओहि मिथिलाक धरती हुनका पर विश्वास करैत अपार जनसमर्थन देलकनि त कम सं कम सरकार सेहो ओहि क्षेत्रक प्रति सतौत सन व्यवहार नहि करय, ओहि कें लेल किछु अवश्य करय पड़त। अन्यथा हमरा नहि लागैत अछि जे अहि सरकार मे मिथिला-मैथिलीक कोनो जगह छहियो आ कि नहि।
    अगर मैथिलजन नाम गनेवाक लेल मैथिली कें अष्टम अनुसूची मे देखैत छथि आ अटल बिहारी वाजपेयीक काज सं संतुष्ट भय जाइथ त फेर कहियो मैथिलीक विकास संभव नहि। लेकिन दुःखक बात इ जे मैथिलक स्वयं कें उपेक्षाक कारण मैथिलीकें जाहिठाम रहवाक चाहि ओहिठाम नहि जा पाइब रहल अछि। नीतीश कुमार आ हुनकर समर्थक पर टिप्पणी करैत ठाकुर जी कहला जे एहन समय आबि गेल अछि जाहिमे अगर अपने नीतीश कुमार या ओहि सरकार कें विरोध मे कोनो शब्द बाजव त अहां कें चारू दिस विरोध हुअय लागत मुदा विश्व जनमानस कें नीतीश कुमारक असली चेहरा कें उजागर करब अत्यावेश अछि।
    विश्वक मंच आ कि देश स्तर पर नीतीश कुमारक अपना आप कें एकटा एहन नेताक रूपमे प्रस्तुत करैत छथि जे सुशासन आ विकास कें बात करैत हो मुदा अहि सं पैघ कथित रूप सं जातिवाद आ समाजिक उन्माद कें पसारय वला नेता बहुत कम भेटत। अगर अहां नीतीश कुमारक हां में हां मिलाउ त एक दम नीक मुदा जौं कनेक इतर चलि जाउ तखन फेर नीतीशक चेहरा आ व्यवहार देखैय वला होइत अछि। जे हम बहुत करीब सं देखि चुकल छी। देश दिग्गज पत्रकार आ मिथिला मिररक संपादक बीच बातचीतक इ सारांश छल। अगर अपने सब इच्छुक होइ त बातचीतक पूरा रिकार्डिंग सेहो प्रस्तुत करवा देल जायत। ओना मिथिला मिरर शीघ्रहि मणिकांत ठाकुरक संग विशेष भेंटघांट लय सामने आबि रहल अछि।