कोलकाताक बागुईहाटीक काली पूजामे मिथिला पेंटिंगक अनूपम झलक

    0
    498

    दिल्ली-मिथिला मिररः कोलकाताक दुर्गा पूजामे कांकुड़गाछीक एकटा दुर्गा पूजाक पंडाल भगवतीक प्रतिमा सहित चैल कें मिथिला पेंटिंग सं सुसज्जित कय मिथिलाक नाम रौशन केनिहा युवा चित्रकार प्रभाकर झा एक बेर फेर सं काली पूजामे सेहो मिथिलाक नाम रौशन कय रहला अछि। अहि बेर प्रभाकर झाक अगुआईमे कोलकाताक बागुईहाटीक काॅलेज मोड़ स्थित जुबक संघक काली पूजा पंडाल कें ओहिना सजाओल गेल अछि जेना कि दुर्गा पूजामे सजाअेल गेल छल।
    मिथिल मिरर सं बातचीत करैत प्रभाकर कहला जे एक बेर फेर सं हम आ हमर टीम कोलकाताक कलाकार लोकनिक बीच अपन मिथिला पेंटिंग कें नीक जेना रखवाक प्रयास केलौह अछि जेकर कोलकाताक आम लोक ओ अन्य कलाकारक बीच बहुत बेसी यश भेट रहल अछि। दुर्गे पूजा जेना अहु बेर प्रभाकर कें टीममे हुनका संग हुनक एकटा कुशल टीम काज कय रहल अछि। अहि टीम मे प्रभाकरक अलावे पूनम देवी, माला झा, महोदय झा पप्पू झा सहित अन्य कलाकार शामिल छलाह। प्रभाकरक मानी त काली पूजामे टीम कने छोट छैक कारण इ जे दुर्गा पूजा मे पंडाल आ मूर्तिक बहुत बेसी संख्या छल जे कि काली पूजा मे ओहिकें अपेक्षा कछु कम छैक।
    अपने कें बता दी जे प्रभाकर झा कें इ कला बिरासत मे भेटल छन्हि। मधुबनी जिलाक जितवारपुर गामक निवासी प्रभाकरक मैया अर्थात दादी मिथिला पेंटिंग लेल मुख्यमंत्री सं पुरस्कृत भय चुकल छथि। एहनमे 24 वर्षिय युवा चित्रकार कोलकाताक जमीन पर एक सं एक चित्रकारक बीचमे जाहि तरहें मिथिलाक चित्रकारी कें प्रस्तुत कय रहला अछि ओकर जतेक प्रशंसा कैल जाय ओ कम छैक। दुर्गा पूजा सं लय एखन तक प्रभाकर कोलकाताक विभिन्न मीडियाक केंद्र बिंदु बनल छथि। एहन मे भारतक सांस्कृतिक राजधानी कोलकाताक जमीन पर मैथिली कें जिया कय रखवाक लेल आ ओकर यशक पताका फहरेवाक लेल प्रभाकर झा कें मिथिला मिरर टीम कें दिस सं हार्दिक बधाई आ शुभकामना सेहो।