वीरेन्द्र चौधरी केलनि अंधराठाढ़ी प्रखंड मे तीन गोट सड़कक शिलान्यास

    0
    364

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर सं सांसद वीरेन्द्र चौधरी बृहस्पति दिन अंधराठाढी़ प्रखंड मे प्रधानमंत्री सड़क योजना के तहत बनय बला तीन टा पीसीसी सडकक शिलान्यास केलनि। अहि योजनाक अंतरर्गत पहिल मुख्य सड़क 4 सं सिजौल धरि, दोसर मुख्य सड़क 3 सं गोरगामा धरि आ तेसर मुख्य सड़क 30 सं गोदाम टोल धरि बनत। उक्त कार्यक्रमक बाद सांसद पिपरौलिया पंचायत के विष्टौल विषहारा स्थान छहरदेबालीक उदघाटन सेहो केलनि।

    अहि अवसर पर सांसद वीरेन्द्र चौधरी कहलनि जे, सड़के विकासक द्वारि खोलैत अछि। गामक विकास नीक सड़कक बिना संभव नहि अछि। झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र मे बहुतो सड़क, पुल, तालाबघाट एवं सड़क के जोड़य बला पुल-पुलियाक निर्माण कराओल जा रहल अछि, आ विकासक ई गति आब सुस्त नहि होयत।

    सांसद कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के कामकाज सं भारते टा के विकास तेज नहि भेल अछि बल्कि विश्वस्तर पर देशक आन-बान-शान मे सेहो वृद्धि भेल अछि। ओ कहलनि जे प्रधान्मत्रीक नेतृत्व मे भारत एकटा नव आ मजबूत राष्ट्रक शक्ल लय रहल अछि। अहि मौका पर सांसद नीतीश सरकार के घेरैत कहलनि जे, नीतीश सरकार नरेन्द्र मोदी सरकारक लोकप्रियता स घबरा गेल अछि आ जनता के ठकबाक प्रयास कय रहल अछि।