मानव श्रृंखला के सफल बनेबाक लेल मुखिया, पंचायत समीति आ वार्ड सदस्य’क बैसक

    0
    341

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत ब्रह्मपुरा मसवासी पंचायत मे बुधदिन प्रखंड विकास पदाधिकारी अहमर अब्दाली, के आदेशअनुसार पंचायत के मुखिया पंचायत सामिति पंचायत वार्ड सदस्यक मानव श्रृंखला के सफल बनेबाक लेल बैसक कायल गेल। बैसक मे मुखिया पति संतोष साहू, पंचायत समिति हसन इमाम उर्फ़ सड्डन, दोसर पंचायत समिति पति अजय यादव तथा सब वार्ड सदस्य, सरपंच, पंच आ पंचायत के ग्रामीण मौजूद छलाह।

    बैसक मे मुखिया द्वारा सब वार्ड सदस्य के मानव श्रृंखला मे भाग लेबय वला लोकक सूचि बनेबाक लेल कहल गेल। बैसक मे मौजूद सब गोटे अधिक स अधिक संख्या मे शराब मुक्त बिहारक समर्थन करैत मानव श्रृंखला के सफल बनेबाक बात कहलनि।