चलंत चिकित्सा वाहन के शुभारम्भ केलनि कीर्ति आजाद

    0
    287

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक सांसद कीर्ति आज़ाद शुक्रदिन समाहरणालय परिसर स 6 टा चलंत चिकित्सा वाहन के हरी झंडी देखा कय विदा केलनि। सांसद अप्पन ऐच्छिक कोष स अहि वाहन के उपलब्ध करेबाक बाद प्रेसवार्ता मे कहलनि जे, ई वाहन डॉक्टर, नर्स, पैथोलॉजी, एक्सरे तथा प्रमुख दबाई आदि सं युक्त अछि।

    सांसद कहलनि जे, ग्रामीण क्षेत्र मे जा कय लोक के चिकित्सीय लाभ पहुंचेबाक लेल ई वाहन उपयुक्त अछि। अहि अवसर पर दरभंगा के जिलाधिकारी डा0 चंद्रशेखर सिंह सहित बहुतो गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।