मनोज तिवारी भऽ सकैत छथि दिल्ली बीजेपीक नव अध्यक्ष: सूत्र

    0
    335

    दिल्ली-मिथिला मिररः पांच राज्यक विधान सभा चुनाव परिणाम सं उत्साहित भारतीय जनता पार्टी आब 2017मे दिल्लीमे होइवला नगर निगमक चुनाव सं पूर्व दिल्ली बीजेपीक अध्यक्षक फेर बदलक मोन बना लेलक अछि। सूत्र सं भेट रहल जानकारीक मुताबिक नगर निगमक उपचुनावमे अपेक्षित सीट नहि जीतवाक कारणें आ दिल्लीमे भारी संख्यामे बिहार आ पूर्वी उत्तर प्रदेशकें मैथिली-भोजपुरी भाषा-भाषी मतदाता कें देखैत दिल्ली बीजेपी अध्यक्ष पद पर सांसद मनोज तिवारी कें बैसाओल जा सकैत छन्हि।
    दिल्लीमे पहिने विधान सभा चुनाव आ आब नगर निगमक उपचुनावमे भेल पराजयक बाद सं दिल्ली बीजेपी अध्यक्ष सतीश उपाध्यायक कुर्सी पर खतरा मंडरा रहल छल। मिथिला मिररकें सूत्र सं भेट रहल जानकरीक मुताबिक पार्टी वोट बैंकक गणितकें जोड़-घटाव करैत अहि नतीजा पर पहुंचल जे मनोज तिवारीकें अहि पद पर बैसाओल जाएत त पार्टी कें फायदा भेटत सकैत अछि।