राज्य स्तरीय प्रतयोगिता मे सिल्वर मैडल जीतलाह दरभंगा के रमण जी यादव

    0
    414

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के बेनीपुर नगर परिषद के लक्ष्मनपुर मोहल्ला निवासी रमण जी यादव के मुजफ्फरपुर मे आयोजित राज्य स्तरीय मार्शल आर्ट प्रतियोगिता मे सिल्वर मैडल प्राप्त भेलनि। अहि के संग रमण जी यादव के चयन राष्ट्रीय स्तरक प्रतियोगिताक लेल कायल गेलनि। जिला परिषद सदस्य राम कुमार झा बबलू सिल्वर मैडल जितबाक लेल रमण जी यादव के सम्मानित केलनि।

    रमण जी यादव कहलनि जे, सिल्वर मैडल जीतबाक संग हुनकर चयन राष्ट्रीय स्तरक प्रतियोगिताक लेल कायल गेलनि। ओ कहलनि जे, राष्ट्रीय स्तरक प्रतियोगिता मे सेहो हम मैडल जीतबाक कोशिश करब। अहि मौक़ा पर जिला परिषद सदस्य राम कुमार झा बबलू पाग, चादर, माला पहिरा कय रमण जी के सम्मानित केलनि।

    राम कुमार झा बबलू कहलनि जे, सिल्वर मैडल जीत कय रमण जी लक्ष्मणपुर सहित पुरा अनुमंडल आ जिलाक नाम रौशन केलनि अछि। ओ कहलनि जे, हम अहि खिलाड़ी के हरसंभव मददि दियेबाक प्रयास करब।