दरभंगा मे अनियंत्रित ट्रक चाय दोकान मे घुसल, तीन गोटेक मौत

    0
    302

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के बहादुरपुर थाना क्षेत्र के तारालाही चैक पर शुक्रदिन भोरे एकटा अनियंत्रित ट्रक चाह दोकान मे घुसि गेल। जाहि मे तीन गोट लोकक मौका पर मौत भय गेल। बताओल जा रहल अछि जे, ट्रक समस्तीपुर दिस सं तेज रफ्तार मे आबि रहल छल कि अचानक अनियंत्रित भय क सड़क कात स्थित चाहक दोकान मे घुसि गेल। हादसा मे दू गोटे गंभीर रूप सँ घायल भय गेल जकरा इलाजक लेल डीएमसीएच मे भर्ती करबाओल गेल अछि।

    घटना के बाद ट्रकक ड्राइवर घटनास्थल सं फरार भय गेल। घटना सं आक्रोशित स्थानीय लोक लहास के सड़क पर राखि क दरभंगा सं समस्तीपुर सड़क के जाम कय देलक। पुलिस घटनास्थल पर पहुंचकय मामला के शांत करबा मे जुटल अछि।